लहरि रूम : लोकसभा चुनाव-2024 केँ तेसर चरण मतदान मे मंगलदिन 11 राज्य आओर केंद्र शासित प्रदेश केँ 93 सीट पर औसतन 64.58 प्रतिशत मतदान भेल। सबस बेसी असम मे 81.71 प्रतिशत आ सबस कम उत्तर प्रदेश मे 57.34 प्रतिशत वोट पड़ल।
दिग्गज नेता सभक भाग्य ईवीएम मे कैद भ’ गेल
एहि चरण मे केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह सहित कईटा केंद्रीय मंत्री क’ भाग्य पर ईवीएम मे मुहर लगा देल गेल अछि। शाह गांधीनगर सँ चुनाव लड़ि रहल छथि। केंद्रीय मंत्री ज्योतिरादित्य सिंधिया -गुना, पोरबंदर सँ मनसुख मंडविया, राजकोट सँ पुरुषोत्तम रूपाला, धारवाड सँ प्रहलाद जोशी आ आगरा सँ एसपी सिंह बघेल सँ ,मध्य प्रदेश केँ पूर्व सीएम शिवराज चौहान विदिशा सँ , दिग्विजय सिंह राजगढ़ सँ , राकांपा नेता सुप्रिया सुले बारामती सँ चुनावी प्रत्याशी छथि ।
बिहार राज्य केँ मिथिला क्षेत्र केँ 5 लोकसभा क्षेत्र मे मतदान शांति पूर्ण रहल। औसतन 58.18% मतदान भेल। बिहार केँ मुख्य निर्वाचन अधिकारी द्वारा बताओल गेल साँझ 6 बजे मतदान केँ दौरान पांच संसदीय क्षेत्र – झंझारपुर, सुपौल, अररिया, मधेपुरा आओर खगड़िया मे लगभग 60 प्रतिशत मतदाता अपन वोट मताधिकार केँ उपयोग कयलनि ।ओ कहलनि जे, एहि सीट पर शांतिपूर्ण, निष्पक्ष आ सुचारू रूप सँ मतदान करय लेल निर्वाचन आयोग द्वारा 9,848 मतदान केंद्र के स्थापना कयल गेल छल । झंझारपुर मे 55.50 प्रतिशत, सुपौल मे 62.40 प्रतिशत, अररिया मे 62.80 प्रतिशत, मधेपुरा मे 61.00 प्रतिशत, आ खगड़िया मे 58.20 प्रतिशत मतदान भेल।
Trending Now

तेसर चरण मतदान मे मिथिला क्षेत्र खीच – तीर क’ फर्स्ट डिवीज़न केँ नजदीक पहुँचल
-