spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeराजनीतिदरभंगा केँ एकटा विवाह मे आतिशबाजी केँ कारण सिलेंडर आ गैलन डीजल...

दरभंगा केँ एकटा विवाह मे आतिशबाजी केँ कारण सिलेंडर आ गैलन डीजल विस्फोट, छह गोटे केँ मृत्यु

-

दरभंगा : दरभंगा जिला केँ अलीनगर प्रखंडकेँ बहेरा थाना केँअंटोर गाम केँ वृहस्पति दिन केँ मध्यरात्रि केँ घटना अछि । कहल जा रहल अछि जे ई छगन पासवानक बेटीक विवाह छल । बरियाती सबके ठहरबाक आ भोजनक व्यवस्था पड़ोसी रामचन्द्र पासवानक आवासीय परिसर मे कयल गेल छल । बरियाती सभ आबि आतिशबाजी करय लगलाह । एहि कारण सँ कारण पंडाल मे आगि लागि गेल। सिलेंडर आ डीजल गैलन मे विस्फोटक कारण आगि बहुत पैघ रूप लेलक। जाबे घर मे उपस्थित परिवार अपना केँ संभारित ताबत तक आगि सब कोठली मे पसरि गेल छल। पंडाल केँ आगि घर केँ सेहो घेर लेलक।
घटना केँ बाद इलाका मे दहशत मचल अछि। लोकक भीड़ जमा भ’ गेल। स्थानीय लोक आगि पर काबू करबाक प्रयास शुरू केलनि मुदा सफल नहि भ’ सकल। एकर बाद फायर ब्रिगेड टीम क’ जानकारी देल गेल। फायर ब्रिगेड केँ टीम जाबे एतय पहुंचल ताबे रामचंद्र पासवान केँ घर मे मौजूद छह गोटे आगि मे फंसल छलाह। मृतक मे रामचंद्र पासवान केँ बेटा सुनील पासवान, हुनकर पत्नी आ बहिन कंचन देवी आ हुनकर दूटा बेटा आ एकटा बेटी शामिल छथि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts