spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिदरभंगा कें भेटत Software Technology Parks of India (STPI) कें सौगात -काइल...

दरभंगा कें भेटत Software Technology Parks of India (STPI) कें सौगात -काइल (18 जुलाई) क’ मोदी आबि रहला अछि मोतिहारी !

-

लहरि रूम (दरभंगा) : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी शुक्रदिन (काइल) बिहार आ पश्चिम बंगाल मे अनेकों विकास योजनाक शुभारंभ करताह। ओ बिहारक मोतिहारी जिला मे प्रातः करीब 11:30 बजे 7200 करोड़ सँ बेसी के विभिन्न विकास परियोजना केर शिलान्यास, उद्घाटन आ राष्ट्र कें समर्पित करताह। प्रधानमंत्री जनसभा कें सेहो संबोधित करताह। एहि योजना मे रेल, सड़क, ग्रामीण विकास, मत्स्य पालन आ आईटी क्षेत्र सँ संबंधित परियोजना सम्मलित अछि। बिहार मे 7200 करोड़ आ बंगाल मे 5000 करोड़ सँ बेसी कें योजना कें अनावरण होएत। एहि सालक अंत मे बिहार मे चुनाव होबय वाला अछि। प्रधानमंत्री कार्यालय (पीएमओ) केँ अनुसार बिहार कें मोतिहारी मे कईटा परियोजना कें शिलान्यास आ उद्घाटन होएत। पीएमओ कहला जे बिहार मे 7200 करोड़ कें परियोजनाक शुभारम्भ कयल जाएत। संगहि बंगाल मे पांच हजार करोड़ सँ बेसी कें परियोजना शुरू कैल जाएत।

दरभंगा कें भेटत Software Technology Parks of India (STPI) कें सौगात ….

दरभंगा मे एकटा नव Software Technology Parks of India (STPI) सेंटर केँ उद्घाटन प्रधानमंत्री मोदी जी के द्वारा कयल जायत। अहि सुविधा सँ स्टार्टअप, आईटी/आईटीईएस कंपनी आ स्थानीय युवाक सबके लेल रोजगार कें अवसर बढ़त। दरभंगा कें आईटी पार्क कें सॉफ्टवेयर टेक्नोलॉजी पार्क ऑफ इंडिया (एसटीपीआई) कें नाम देल गेल अछि। एकर निर्माण नवीनतम तकनीक सँ कयल गेल अछि। एहन मे आईटी सँ जुड़ल लोक के आब दोसर ठाम जेबाक जरूरत नहिं पड़त। एकर लाभ दरभंगा सहित सम्पूर्ण मिथिला के आईटी सेक्टर सँ जुड़ल युवा के भेटत। सॉफ्टवेयर इंजीनियर के लेल एतय तरह-तरह के व्यवस्था कयल गेल अछि। एकर उद्घाटन सँ आईटी इंजीनियर कें सबसँ बेसी फायदा होयत। संभावना अछि जे निकट भविष्य मे मिथिला के कुशल आईटी जुड़ल लोक सबके आईटी सेक्टर के नौकरी के लेल बेंगलुरु… हैदराबाद आओर चेन्नई जकां मेट्रो मे जेबाक जरूरत नहिं पड़तनि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts