दरभंगा (मिथिला- बिहार ) : जिलाक सबस पैघ अस्पताल डीएमसीएच मे दूटा डेंगू भर्ती कराओल गेला अछि । बहादुरपुर केँ भवन मिश्र आ हयाघाट केँ अमित कुमार यादव केँ डीएमसीएच केँ डेंगू वार्ड मे भर्ती कराओल गेल अछि। भवन मिश्र कोलकाता सँ घुरलाक बाद बीमार भ’ गेल छलाह, जखन कि अमित कुमार जयपुर सँ वापस आबि क’ बीमार भेला अछि । दुनू गोटेक बोखार बेसी आ प्लेटलेट कम हेबाक शिकायत छलनि। डीएमसीएच मे जांच केँ बाद दुनू गोटे के डेंगू पॉजिटिव भेटल।
डीएमसीएच केँ डेंगू वार्ड मे दू टा नव मरीज केँ आगमन केँ कारण हलचल मचि गेल अछि। ई उत्तर बिहार केँ सबस पैघ अस्पताल अछि। डेंगू केँ बढ़ैत मामला केँ देखैत अस्पताल प्रशासन सतर्क भ’ गेल अछि।
डेंगू भेला पर उपचार
ओना सब सँ पहिने डेंगू केँ भेला सँ सर्वप्रथम कुशल चिकित्सक केँ परामर्श ल’ ब्लड जांच करेबाक चाही जाहि सँ पता चलि जायत जे रक्त मे प्लेटलेट्स कतेक छैक। जं प्लेटलेट 1.5 लाख सँ कम होइत अछि त’ ओ चिन्ताक विषय होइत अछि। एलोपैथी चिकित्सा पद्धति एहि मे बेसी लोक लैत छथि। ओना डेंगू मे बकरी केँ दूध , पपीता पात केँ पीस क’ पिनाई आओर कीवी फल केँ सेवन बड उपयोगी सिद्ध होइत अछि। जं प्लेटलेट केँ संख्या केँ गिरवाट लगातार होइत अछि तखन प्लेटलेट दोसर रक्तदाता केँ प्राप्त क’ चिकित्सक सबके द्वारा चढ़ाओल जाइत अछि।