spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिदरभंगा मे 6 सालक बच्ची संग अमानवीय कृत्य : जिंदगी आ मृत्यु...

दरभंगा मे 6 सालक बच्ची संग अमानवीय कृत्य : जिंदगी आ मृत्यु संग लड़ी रहल अछि जंग

-

दरभंगा : दरभंगा जिला के कुशेश्वरस्थान क्षेत्र मे एकटा हृदय विदारक घटना के खबरि लहरि कें आयल अछि, जतय एकटा 6 सालक बचिया के संग बड निर्दयता संग अमानवीय कृत्य कयल गेल अछि। बचियाक हालत गंभीर बनल अछि आ ओकरा दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल (डीएमसीएच) के स्त्री रोग विभाग के आईसीयू मे भर्ती कराओल गेल अछि। एतय पुलिस एहि मामला मे तत्काल कार्रवाई केलक आ इलाका मे लगाओल गेल सीसीटीवी फुटेज के मदद सं 50 वर्षीय आरोपी के गिरफ्तार क’ लेलक अछि । आरोपी कें नाम महाकांत पासवान अछि। घटना के बाद सँ एसएसपी जगन्नाथ रेड्डी, ग्रामीण एसपी आओरअनेको थाना कें पुलिस एहि क्षेत्र मे कैम्प क’ रहला अछि।

बचिया राति मे दोकान पर दूध पहुँचाबय जा रहल छल ……….

कहल जा रहल अछि जे ई घटना काल्हि राति मे भेल अछि, जखन बचिया लगक दोकान मे दूध पहुंचाबय जा रहल छल। एहि क्रम मे आरोपी ओकरा जबरदस्ती एकांत स्थान पर ल’ गेल आ ई घिनौना अपराध केलक। जखन बचिया देर राति धरि घर नहि घुरल त’ परिवार सदस्यगण ओकरा खोजय लेल निकलला । हुनका सबके बजार लग ओ बचिया कुहरैत आ खूनसँ लथ- पथ भेटलनि। डॉ. सबके कहना अछि जे बचिया कें स्थिति नाजुक छैक।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts