नयी दिल्ली/ अधिकारीलोकनि कहलनि जे दिल्लीक नांगलोई क्षेत्रमे एकटा प्लास्टिक बैग निर्माण कारखानामे लागल आगि शनिदिन भोरमे छह घंटाक अभियानक बाद बुझा देल गेल। दिल्ली अग्निशमन सेवाक एकटा अधिकारी दावा कयलनि जे आगि पर पूर्ण रूपसँ काबू पाबि लेल गेल अछि।
अधिकारी कहलनि जे शुक्रदिन राति लगभग 9 बजे कारखानामे आगि लागल मुदा एहि घटनामे कोनो हताहत होयबाक सूचना नहि अछि। ओ कहलखिन कि स्थल पर शीतलन अभियान चलि रहल छलइ।
अधिकारी बतौलनि जे कारखानामे आगि लगबाक सूचना भेटलाक बाद कमसँ कम 28 दमकल गाड़ीकेँ घटनास्थल पर पठाओल गेल आ भोर 3.30 बजे धरि आगि पर काबू पाबि लेल गेल।
एकटा पुलिस अधिकारीक अनुसार, निलोठी गाममे स्थित कारखानामे रसायन आ प्लास्टिकक सामग्रीक भण्डारणक कारण आगि तेजीसँ पसरल। ओ कहलनि जे आगि लगबाक कारणक पता लगाबय लेल जाँच चलि रहल अछि। एखन धरि कोनो अप्रिय घटनाक सूचना नहि भेटल अछि।