जं सत्य साबित भेल एग्जिट पोल कें संभावना त’ 27 साल बाद भाजपा करत दिल्ली मे वापसी : बनत डबल इंजन कें सरकार !
लहरि रूम (दिल्ली) : दिल्ली मे 70 सीट पर वोटिंग पूरा भेलाक बाद एग्जिट पोल सेहो आबय लागल अछि। अधिकांश एग्जिट पोल मे भाजपा के बहुमत देखाओल गेल अछि। एकर बाद भाजपा नेता मे जबरदस्त उत्साह देखल जा रहल अछि। भाजपा नेता सब दावा क’ रहल छथि जे 8 तारीख क’ जखन परिणाम आओत त’ ओहो हमरा सबहक पक्ष मे रहत। दिल्ली भाजपा अध्यक्ष वीरेन्द्र सचदेवा कहलनि जे हम दिल्लीक जनता केँ बधाई देबय चाहैत छी, दिल्लीक जनता आइ भाजपा केँ एतेक प्रेम आ आशीर्वाद देलक अछि। दिल्ली स ‘आपदा’ (AAP) जा रहल अछि आ भाजपा आबि रहल अछि।
भाजपा सांसद मनोज तिवारी कहलनि जे, एग्जिट पोल देखलाक बाद हमरा लगैत अछि जे हमर सटीक पोल (परिणाम ) एग्जिट पोल सँ आओर नीक होयत। जनता मे जे प्रतिक्रिया देखलहुं ओ इ देखा रहल अछि जे भाजपा सत्ता मे आबि रहल अछि (दिल्ली मे)। ई भाजपा के घर वापसी अछि। दिल्ली के जनता के धन्यवाद दैत छी। नई दिल्ली विधानसभा सीट सँ भाजपा उम्मीदवार परवेश वर्मा कहला जे इ तय अछि जे 8 फरवरी क’ कमल खिलत। हम दिल्ली मे सुशासन, स्वच्छ यमुना आ रोजगार देब। अरविंद केजरीवाल के पूरा भरोसा छनि जे ओ हार रहल छथि ‘।

AAP पार्टी सेहो भरि रहल अछि अपन दम :
एग्जिट पोल के अनुसार ग्रेटर कैलाश विधानसभा सँ आप के उम्मीदवार सौरभ भारद्वाज कहलनि जे, हम सब दिल्ली मे तीन बेर चुनाव लड़ने छी आ ई चारिम विधानसभा चुनाव अछि जाहि मे हम सब लड़ि रहल छी। 2013, 2015 के एग्जिट पोल में देखल गेल जे हम सब हारब आ 2020 के एग्जिट पोल मे पता चलल जे हमरा सब के संख्या कम भेटत। तहिना 2025 मे सेहो ई देखाओल जा रहल अछि जे हमरा सभ के कम सीट भेटत। ओ कहला जे हमरा लगैत अछि जे एग्जिट पोल सँ हमेशा इ देख ब’ चाहित अछि जे आप क’ वोट कम भेटत। भाजपा सदिखन आम लोक केँ आवाज केँ दबा दैत अछि जाहि सँ ओ डर सँ किछु नहि बाजथि। आप पार्टी के वोट हिस्सेदारी हमेशा ओहि सं बेसि रहैत अछि जे एग्जिट पोल मे देखाएल जाएत अछि।
आप नेता सुशील गुप्ता कहलनि जे ई हमर चारिम चुनाव अछि आ हर बेर एग्जिट पोल मे आप के दिल्ली मे सरकार बनबैत नहि देखाओल गेल। अरविंद केजरीवाल दिल्ली के जनता के लेल काज केने छथिन्ह. आम आदमी पार्टी के पक्ष में परिणाम 8 तारीख क’ होयत आओर आप सरकार पुनः बनाओत।

माइंड ब्रिंक के एग्जिट पोल
दिल्ली विधानसभा चुनाव मे मतदान के बाद माइंड ब्रिंक के एग्जिट पोल के अनुसार आम आदमी पार्टी के सरकार बनय के अनुमान अछि। एग्जिट पोल मे आप पार्टी कें 44 सँ 49 सीट भेटबाक उम्मीद अछि। संगहि इहो कहल जा रहल अछि जे भाजपा के 21 सँ 25 सीट भेटत। एहि एग्जिट पोल मे कांग्रेस क़े 0 स 1 सीट भेटबाक उम्मीद अछि।
वीप्रेसाइड के एग्जिट पोल
दिल्ली विधानसभा चुनाव मे एहने एकटा एग्जिट पोल अछि जाहि मे आम आदमी पार्टी सत्ता मे वापस आबि रहल बुझाइत अछि। वीप्रेसाइड के एग्जिट पोल के अनुसार आम आदमी पार्टी सत्ता मे वापस आबी रहल अछि । एहि एग्जिट पोल मे आम आदमी पार्टी के 46 सँ 52 सीट भेटबाक उम्मीद अछि, संगहि भाजपा के 18 सँ 23 सीट भेटबाक के बात कहल जा रहल अछि। कांग्रेस केँ 1 सीट भेटबाक अनुमान अछि।

