नई दिल्ली : आइ-काल्हि राजधानी दिल्ली भयंकर गर्मी सँ झुलसि रहल अछि। गर्मी केँ लहरि केँ सामना करय वाला दिल्ली मे लोक केँ रहनाय मुश्किल भ’ गेल अछि। एम्हर, मृत्यु केँ संख्या भयावह अछि। दिल्ली निगमबोध घाट पर लाशक कतार लागल अछि। आइ-काल्हि दिल्ली मे कोरोना महामारी केँ बाद फेर सँ श्मशान घाट केँ स्थिति खराब अछि। बुधदिन कोरोना के बाद सबस बेसी दाह संस्कार निगम बोध घाट पर भेल। 19 जून बुध दिन काल्हि राति 12 बजे धरि 142 टा शवक अंतिम संस्कार कयल गेल।
पिछला 6 दिनक जराओल लाशक आकड़ा :
14 जून -43
15 जून -53
16 जून-70
17 जून- 54
18 जून-97
19 – जून 142 ( 12 बजे मध्यरात्रि तक)