
लहरि रूम (दिल्ली ) : भाजपा नेता देवेन्द्र फडणवीस केँ महाराष्ट्र भाजपा विधायक दल केँ नेता चुनला पर भाजपा विधायक राहुल नार्वेकर कहलनि जे, ओ महाराष्ट्र विधानसभा केँ लोकप्रिय आ प्रभावशाली नेता छथि। ई सौभाग्य केँ बात अछि जे हुनका मुख्यमंत्री के रूप म॑ चुनल गेल छनि अहि सँ हम सब उत्साहित छी । महायुति एकजुट छथि। राज्य केँ जनता काल्हि शपथ ग्रहण समारोह केँ बेसब्री सँ इंतजार क’ रहल अछि आओर ओ चाहय छथि जे हुनका द्वारा चुनल गेल नेता मुख्यमंत्री बनि राज्य केँ नव ऊंचाई पर पहुंचाबय।