spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिदेवेंद्र यादव बनला दिल्ली कांग्रेस केँ अध्यक्ष

देवेंद्र यादव बनला दिल्ली कांग्रेस केँ अध्यक्ष

-

नई दिल्ली : काल्हि दिनांक 4 मई शनि दिन दिल्ली कांग्रेस के पूर्व अध्यक्ष अरविंदर सिंह लवली कांग्रेस केँ छोड़ि भाजपा मे सम्मलित भ’ गेल छलाह। एहि घटना केँ बाद कांग्रेस केँ दिल्ली प्रदेश केँ अध्यक्ष कें पद पर देवेंद्र यादव आसीन भेला। अपन पदभार ग्रहण केलाक बाद देवेंद्र यादव अरविंदर सिंह लवली केँ अवसरवादी कहलनि। ओ कहला जे कांग्रेस क’ एहन लोक क’ कोनो आवश्यकत नहि अछि। ओ कहलनि जे, ई पार्टी पहिने सेहो मजबूत छल आ भविष्य मे सेहो मजबूत रहत। ओ कहलनि जे, हम केंद्रीय नेतृत्व केँ धन्यवाद देबय चाहैत छी जे हमरा पर विश्वास देखौलनि। हम अपन सब जिम्मेदारी पूरा करय लेल मेहनत करब। एहि दौरान ओ दावा केलथि जे लोकसभा चुनाव मे दिल्ली क’ सबटा सात सीट पर केवल I-N-D-I एलायंस जीतत। ओ कहला जे ओ दिल्ली मे कांग्रेस कए आओर मजबूत करबा लेल लगातार काज करताह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts