लहरि रूम : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे सेक्स कांड मे JD (S ) केँ सांसद प्रजवाल रेवन्ना केँ परेशानी खत्म नहिं बुझाइत अछि। आब जानकारी आबि रहल अछि जे कर्नाटक सरकार शनिदिन एहि मामला केँ जांच क’ लेल SIT केँ गठन केलाक बाद प्रजवाल रेवन्ना देश छोड़ि कs भागि गेल छथि। सूत्रक मानी त’ शनिदिन मुख्यमंत्री सिद्धारमैया सरकार महिला आयोगक अध्यक्ष केँ मांग पर एहि मामला केँ जांच लेल एसआईटी बनेबाक आदेश देलक अछि। एकर बाद प्रजवाल रेवन्ना आइ भोरे बेंगलुरु सँ जर्मनी केँ लेल विदा भ’ गेला। संगहि जेडीएस पार्टी मुख्यालय मे भोर 11 बजे आपातकालीन प्रेस कॉन्फ्रेंस केँ आह्वान केलक।
भाजपा कहलक- हमरा सबकेँ एहि मामला सँ कोनो लेना-देना नहि
जेडीएस भाजपा सँ गठबंधन मे अछि, कर्नाटक मे भाजपा आओर JD (S )बीच गठबंधन अछि। जखन ई वीडियो सामने आयल त’ राज्य केँ डिप्टी सीएम डीके शिवकुमार एहि मामला मे केंद्र सरकार सँ जवाब मंगलखिन्ह। ओ कहला जे यौन उत्पीड़न क’ आरोप केवल किछु हसन नेता क’ खिलाफ नहि अछि। कर्नाटक भाजपा प्रमुख बिवाई विजयेन्द्र आ अन्य नेता सब केँ एहि पर जवाब देबाक चाही।
शिवकुमार कहलनि जे हम हुनकर (प्रज्जवल रेवन्ना) रिपोर्ट पढ़ने छी, जाहि मे कहल गेल अछि जे महिला आयोग हुनकर छवि केँ कलंकित करबाक प्रयास मे अछि। एहि पर JD (S ) नेता आ पूर्व मुख्यमंत्री एचडी कुमारस्वामी शिवकुमार केँ अश्लील वीडियो मामला मे संलिप्त होयबाक बारे मे कहलनि ।
एहि पर डिप्टी सीएम कहलथि जे कुमारस्वामी हमर नाम लेने छथि। हम हुनका सभकेँ उजागर करब। की ओ सब एहि तरहक गप्प क’ महिला केँ खिलाफ यौन उत्पीड़न केँ जायज ठहरा रहल छथि?