लहरि रूम (पटना) : लोकतंत्र के महापर्व बिहार विधानसभा चुनाव 2025 के दोसर आ अंतिम चरण के लेल आइ 11 नवंबर 2025 (मंगल दिन) क’ मतदान चलि रहल अछि। बिहार चुनाव के दोसर चरण मे 122 विधानसभा क्षेत्र मे मतदान होएत। गयाजी, कैमूर, रोहतास, औरंगाबाद, अरवल, जहानाबाद, नवादा, भागलपुर, बांका, जमुई, सीतामढ़ी, शिवहर, मधुबनी, सुपौल, पूर्णिया, अररिया, कटिहार, किशनगंज, पूर्वी चंपारण, आ पश्चिम चंपारण मे मतदान भ’ रहल अछि। चुनाव आयोग केर आंकड़ केँ अनुसार कुल 1302 चुनावी प्रत्याशी मैदान मे छथि , जाहि मे 1165 पुरुष, 136 महिला आओर एक ट्रांसजेंडर उम्मीदवार सम्मलित छथि । एहि चरण मे 3.7 करोड़ सँ बेसी मतदाता मतदाता अपन मताधिकार के उपयोग करता। जाहि मे 1.95 करोड़ पुरुष आ 1.74 करोड़ महिला के संख्या निर्धारित अछि।


