लहरि रूम : दिल्ली सँ बराबर सम्पर्क स्थापित रखबाक कारण सँ सर्वप्रथम लहरि मीडिया केँ समाचार प्रसारित कयलक जे। दोसर बेरक विजय सांसद संजय सेठ केँ पहिल बेर मंत्री बनय जा रहला अछि। महिला एवं समाज कल्याण केँ सांसद प्रतिनिधि कुमुद झा लहरि केँ बराबर संपर्क बनेने छली। समाचार तदोपरांत सम्पूर्ण रांची मे पसरि गेल। संध्या 5 बजे कुमुद झा एवं हुनक सहयोगी सबके द्वारा आतिशवाजी केँ कार्यक्रम प्रारम्भ भेल। कुमुद झा अपन वक्तव्य मे कहलनि जे – रांची, भाजपा केँ लेल ई हर्षक विषय अछि पहिल बेर रांची सँ चुनल सांसद संजय सेठ जी मंत्री मंडल मे स्थान देल गेल अछि , एहि पुनीत कार्य हेतु प्रधानमंत्री मोदी आओर समस्त श्रेष्ठ संगठन केँ लोग केँ धन्यवाद ज्ञापित कयलनि। दोसर तरफ किसान मोर्चा केँ ललित ओझा संध्या काल अपन समर्थक लोकनिक संग जमीं क’ आतिशवाजी कयलनि आओर मधुर मिठाई केँ वितरण कयलनि। संध्या काल प्रधानमंत्री मोदी जी केँ शपथ लेबाक बाद भाजपा झारखण्ड प्रदेश केँ हरमू स्थित मुख्यालय केँ वातावरण उत्सव मे परिणत भ’ गेल। हरमू मंडल अध्यक्ष इंद्रजीत यादव एवं अरगोड़ा मंडल अध्यक्ष केँ नेतृत्व मे कार्यकर्ता लोकनिक द्वारा खूब आतिशवाजी कयल गेल आओर लड्डू वितरण भेल। एहि अवसर पर दीपम बनर्जी, सरकार , गोविन्द वाल्मीकि संग अनेको कार्यकर्त्ता उपस्थित छला।
Trending Now

दोसर बेरक विजय सांसद संजय सेठ केँ पहिल बेर मंत्री बनला पर झूमल रांची महानगर सँग भाजपा केँ झारखण्ड प्रदेश
-