spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिधनशोधनक मामला मे कांग्रेस विधायक अंबा सं पूछताछ, छौ घंटा ED कार्यालय...

धनशोधनक मामला मे कांग्रेस विधायक अंबा सं पूछताछ, छौ घंटा ED कार्यालय में बितैलनि समय

-

रांची/ धनशोधन के एकटा मामला मे बड़कागांव विधानसभा सं कांग्रेस के विधायक अंबा प्रसाद के साथ प्रवर्तन निदेशालय सोमवार के पूछताछ कैलक। ई पूछताछ लगभग छौ घंटा तक चलल। तकर बाद अंबा ओता सं वापस अपन आवास गेली।

एत बता दी कि आई सं कुछ दिन पहिले अंबा के कैटा ठिकाना पर ईडी के छापा पड़ल रहे। सूत्र के यदि मानी त’ ओ छापा मे ईडी के किछ विशेष जानकारी मिलल, जे अंबा के खिलाफ छल। तकर बाद अंबा के खिलाफ ईडी के जांचक दायरा बढ़े लागल।

एकटा गप्प यहो सुनि रहल छी कि अभी हाल ही म अंबा प्रसाद अडानी कंपनी के खिलाफ विधानसभा में प्रश्न ठाढ़ कैले छल। किछ जानकार यहो कहि रहल छथि कि अंबा के खिलाफ जे कार्रवाई भ’ रहल अछि ओ ओहि प्रश्नक परिणाम अछि। हालांकि अंबा या कांग्रेस पार्टी के तरफ सं एहन कोनो बात नहि आएल अछि मुदा जानकारक नजर मे ई बात घुमि रहल अछि।

किया त’ अंबा के खिलाफ जे कार्रवाई भ’ रहल अछि ओ विधानसभा में आहि प्रश्न के किछ दिन बाद प्रारंभ भ’ गेल छल। ओना अंबा अपना तरफ सं ऐहे कहि रहल छथिन कि हमरा खिलाफ जे कार्रवाई भ’ रहल अछि ओकरा पांछा भाजपा के हाथ अछि। चूकि हम भाजपा मे नहि गेली ताहि ल’ क’ भाजपाक नेता हमरा सं खिसियायल छथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts