भ’ गेल करार 6 एकड़ जमीन पर 200 कमरा केँ बनत रांची मे ‘होटल ताज’ !
रांची : झारखण्ड मे जखन भारतीय जनता पार्टी केँ रघुवर दास जीक नेतृत्व केँ पूर्ण समर्थन केँ सरकार छल ताहि समय सँ चर्चा छल जे झारखण्ड केँ राजधानी मे टाटा ग्रुप केँ प्रसिद्ध ‘होटल ताज’ आबि रहल अछि। नहि जानि कोन कारण टाटा ग्रुप आओर झारखण्ड सरकार केँ एकरार नामा नहि बनि सकल। मुदा, झारखण्ड केँ राजधानी मे आब होटल आबि रहल अछि एहि बातक पुष्टि स्वयं झारखण्ड सरकार केँ वर्तमान मुखिया हेमंत सोरेन कयलनि अछि। हुनक सोशल मीडिया पोस्ट केँ माध्यम सँ जानकारी आबि रहल अछि जे आब रांची केँ धुर्वा मे स्थित कोर कैपिटल मे होटल ताज बनत। झारखंड केँ हेमंत सोरेन सरकार द्वारा झारखंड मंत्रालय मे होटल ताज केँ प्रतिनिधी लोकनिक संग हस्ताक्षर कयल गेल | एहि अवसर पर सीएम हेमंत सोरेन स्वयं उपस्थित छलाह।
झारखंड मंत्रालय सभागार मे होटल ताज केँ निर्माण हेतु भेल एमओयू
झारखंड मंत्रालय केँ सभागार मे एमओयू केँ संबंध मे एकटा कार्यक्रमक आयोजन कयल गेल । मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन केँ उपस्थिति मे शहरी विकास आ आवास विभाग आ टाटा इंटरप्राइजेज केँ सहायक कंपनी द इंडियन होटल कंपनी लिमिटेड केँ बीच ताज होटलक निर्माणक एमओयू पर हस्ताक्षर कैल गेल।
