उत्तर प्रदेश: सपा केँ दिग्गज नेता आजम खान के जन्म प्रमाण पत्र केँ फर्जी मामला मे इलाहाबाद हाईकोर्ट सँ राहत भेटलनि अछि। कोर्ट तीनू गोटे केँ जमानत द’ देलक अछि आ संगहि एहि मामला मे पत्नी आ बेटा केँ सेहो राहत देलक अछि। आजम खान केँ वकील शरद शर्मा समाचार एनआई एजेंसी के कहलनि जे, कोर्ट तीनू केँ जमानत द’ देलक अछि। कोर्ट आजम खान केँ सजा पर रोक लगा देलक अछि जखन कि ताजीन फातिमा आओर अब्दुल्ला आजम केँ बरी क’ देलक अछि। शरद शर्मा कहलनि जे ई मामला 2019 केँ अछि, रामपुर मे प्राथमिकी दर्ज कयल गेल छल । निचला अदालत हुनका सात सालक सजा सुनौने छल। एहि ठाम हुनका खिलाफ याचिका दायर भेल। अधिवक्ता शरद शर्मा कहलनि जे, फिलहाल मामला जारी रहत। असल मे हुनका लग दू टा जन्म प्रमाण पत्र छलनि, जाहि मे अलग-अलग तिथि दर्ज छलनि।
Trending Now
