spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिनवादा मे छठी मैया की जय कहि कयलनि चुनावी सभा केँ सम्बोधित...

नवादा मे छठी मैया की जय कहि कयलनि चुनावी सभा केँ सम्बोधित : प्रधानमंत्री मोदी

-

नवादा (बिहार ) : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा आजुक दिन बिहार केँ नवादा जिला मे चुनावी सभा केँ संबोधित कयल गेल । पीएम मगही मे अपन भाषण शुरू केलथि। पीएम मोदी जनता सँ कहलथि जे हम सब अपने सब लोक केँ प्रणाम करैत छी। ओ आगू बजलाह, ‘हम बिहार आ मगधक भूमि केँ प्रणाम करैत छी। मगध केँ ई महान भूमि मेँ चंद्रगुप्त मौर्यक वीरता, आचार्य चाणक्य केँ बौद्धिक क्षमता छै आओर एहि भूमि मे देश केँ दै के क्षमता छैक । ई क्षेत्र बिहार केँ प्रथम मुख्यमंत्री बिहार केसरी श्री कृष्ण बाबू के जन्मस्थली भी अछि । नवादा लोकनायक श्री जयप्रकाश नारायण जी केँ कार्यस्थल सेहो अछि | हम एहि सब महान व्यक्तित्व केँ सादर प्रणाम करैत छी । पीएम मोदी कहला जे मोदी देश सँ गरीबी खत्म करबाक मिशन मे लागल छथि। अहाँ जकाँ हमहूँ गरीबी जीबि एतय तक आयल छी । गरीबक बेटा मोदी गरीबक सेवक छथि। जाबे देशक प्रत्येक भाइ-बहिनक गरीबी दूर नहि करब ता धरि हम चैनसँ आराम नहि करब।
I-N-D-I गठबंधन केँ निशाना बनाबैत पीएम मोदी आगू कहलनि जे, ‘भारत गठबंधन के ने त विजन अछि आ ने विश्वसनीयता। जे लोक दिल्ली मे एक संग ठाढ़ छथि, अलग-अलग राज्य सन , एक दोसरा सँ गारि-गरौबलि करैत छथि। बिहार मे आपस मे टकराव अछि। ई लोकनि मजबूरी मे एक ठाम आबि गेल छथि आ हुनका लोकनिक मजबूरी केर एकटा नाम मात्र छनि – सत्ताक स्वार्थ ।
बता दी जे पीएम मोदी भाजपा प्रत्याशी विवेक ठाकुर केँ समर्थन मे प्रचार करय लेल नवादा आयल छलाह। नवादा बिहार केँ चारि लोकसभा सीट मे सँ एक अछि जतय पहिल चरण मे 19 अप्रैल केँ चुनाव होमय वाला अछि। संग -संग पहिल चरण मे जमुई, औरंगाबाद आओर गया मे मतदान होमय वला अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts