नवगछिया (भागलपुर- बिहार ): बिहार केँ भागलपुर जिला के इस्माइलपुर (नवगछिया) बिंदटोली तटबंध केँ टुटबाक केँ कारण बाढ़ि सँ ग्रामीण केँ समस्या बढ़ि गेल अछि। जिला प्रशासन राहत शिविर लगा क’ ग्रामीण केँ समस्या केँ कम करय केँ कोशिश क’ रहल अछि तइयो ग्रामीण घर केँ तबाही आ फसल केँ बर्बादी केँ चिंता भ’ रहल छनि। मंगलदिन तटबंध ध्वस्त भेलाक बाद करीब एक दर्जन गाम प्रभावित भ’ गेल अछि । खेत मे पानि भरि गेल छल। तटबंध तोड़लाक बाद गाम मे घुसल गंगा केँ पानि सँ कतेको घर केँ नोकसान भेल। पानि अपना संगे राखल भूसा आओर अनेकों सामान आ माल- जाल केँ बहा क’ ल’ गेल।
नवगछिया अनुमंडल अधिकारी उत्तम कुमार कहलनि जे, गोपालपुर केँ महिपाल शासकीय उच्च बेसिक स्कूल, टिंटंगा आ जगदम्बा बालिका स्कूल मे सामुदायिक रसोईघर प्रारम्भ भ’ गेल अछि। एहि ठामक लोक केँ भोजन केँ व्यवस्था भ’ रहल अछि। एकर अलावा जिला पशुपालन अधिकारी द्वारा पशुपालक केँ बीच पशु चारा वितरण करल जा रहल अछि । प्रभावित क्षेत्र मे मवेशी केँ स्वास्थ्य केँ जांचक लेल पशु चिकित्सक केँ नियुक्ति कयल गेल अछि। चारा केँ पर्याप्त व्यवस्था कयल गेल अछि। एखन धरि 450 सँ बेसी जानवर कए चारा उपलब्ध कराउल गेल अछि।