लहरि रूम (पटना) : बिहार मे एनडीए सरकारक गठनक बाद आब विभागक आवंटन भ’ गेल । भारतीय जनता पार्टी के एहि बेर कईटा महत्वपूर्ण मंत्रालय सौंपल गेल अछि। पार्टी के वरिष्ठ नेता सम्राट चौधरी गृह विभाग के पदभार भेटलनि त’ विजय कुमार सिन्हा के खान आ भूविज्ञान विभाग के संग भूमि आ राजस्व विभाग देल गेल अछि। मंगल पाण्डेय केँ स्वास्थ्य आ विधि विभाग देल गेल अछि।

भाजपा दिस सँ दिलीप जायसवाल केँ उद्योग विभाग, नितिन नवीन केँ सड़क निर्माण आ शहरी विकास आ आवास विभाग, रामकृपाल यादव केँ कृषि विभाग, आ संजय टाइगर केँ श्रम संसाधन विभाग देल गेल अछि। अरुणा शंकर प्रसाद केर पर्यटन संग कला-संस्कृति आओर युवा विभाग, सुरेन्द्र मेहता क॑ पशु आ मत्स्य संसाधन विभाग एवं नारायण प्रसाद केँ आपदा प्रबंधन विभाग केँ मंत्री केँ रूप मे पदभार भेटलनि अछि।

एहि केर अतिरिक्त राम निषाद केर पिछड़ा वर्ग आ अत्यंत पिछड़ा वर्ग केर कल्याण विभाग, लखेन्द्र पासवान केर अनुसूचित जाति आ अनुसूचित जनजाति कल्याण विभाग, श्रेयासी सिंह केँ सूचना प्रौद्योगिकी आ खेल विभाग संगहि प्रमोद चंद्रवंशी केर सहकारी आ पर्यावरण-वन आआओर जलवायु परिवर्तन विभाग केर कार्यभार देल गेल अछि ।
सरकार मे सहयोगी दल केँ सेहो हिस्सेदारी आवंटित कैल गेल अछि। लोजपा (राम विलास) केँ गन्ना उद्योग विभाग आ लोक स्वास्थ्य अभियांत्रिकी विभाग आवंटित कैल गेल अछि। HAM कें लघु जल संसाधन विभाग आ आरएलएम कें पंचायती राज विभाग कें लेल आवंटित कैल गेल अछि ।

