नई दिल्ली : देश मे आम चुनाव समाप्त भेला बाद पुनः एक बेर फेर एनडीए सरकार बनल। आब सबहक नजरि केंद्र सरकारक नव -नव निर्णय पर अछि। खबर केँ अनुसार देश के बहुत राज्य के राज्यपाल के दोसर ठाम स्थानांतरित करय केँ तैयारी चलि रहल अछि। एहि क्रम मे अश्विनी कुमार चौबे केँ तेलंगाना राज्यक नवका राज्यपाल बनाओल गेल अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के सबसँ नजदीकी आ भरोसेमंद व्यक्ति के रूप मे जानल जाय वाला अश्विनी कुमार चौबे पिछला सरकार मे मोदी मंत्रिमंडल मे राज्य मंत्री छलाह.
अश्विनी चौबे के टिकट नहि भेटलनि छल
जनवरी 1953 मे बिहार राज्य मे जन्मल अश्विनी कुमार चौबे भाजपा क’ दिग्गज नेता छथि। ओना भारतीय जनता पार्टी 2024 क’ लोकसभा चुनाव मे बक्सर लोकसभा सीट सँ अश्विनी कुमार चौबे केँ टिकट नहि देलक। चुनाव हारल चोबे के जगह मिथिलेश तिवारी के उम्मीदवार बनाओल गेल। आब भाजपा समर्थित एनडीए सरकार अश्विनी कुमार चौबे केँ तेलंगाना राज्य के नवका राज्यपाल बना देलक अछि। अश्विनी कुमार चौबे तेलंगाना केँ वर्तमान राज्यपाल सीपी राधाकृष्णन केँ जगह स्थापित कयल गेल छनि।