नवका दिल्ली/ नागालैंड के मुख्यमंत्री नेफ्यू रियो कांग्रेस सं खिसियाल छथि। किया त’ कांग्रेस प्रदेश मे अपन उम्मीदवार ठाढ़ क’ देले अछि। अपन ताजा बयान मे रियो बजला कि प्रदेश में एकोटा विधायक कांग्रेस के नहि अछि मुदा लोकसभा मे ओ अपन उम्मीदवार ठाढ क’ देलक। ई कांग्रेस के अधलाह गप्प अछि।
रियो बजला, कांग्रेस लगातार भाजपा पर अल्पसंख्यक विरोध आ ईसाई के प्रताड़नाक आरोपल लगवैत अछि। भ’ सकैत अछि ओई मे किछ सत्यता होई मुदा कांग्रेस की करल अछि ओ अमसभ बुझैत छी। ई सब कांग्रेस के दुष्प्रचार अछि।
नागालैंड के मुख्यमंत्री बजला कि एनडीपीप प्रदेशक जनता के आस्था और पहचान संगे कोनो समझौता नहि क’ सकैत अछि। ओ अपन समर्थि उम्मीदवारक पैरवी सेहो कैला आ कहला कि चुम्बेन मरी प्रदेश के लेल उपयुक्त उम्मीदवार छथि। दरअसल, मोम के पीपुल्स डेमोक्रेटिक अलायंस के एकटा बैसार भेल छल। मुख्यमंत्री ओहि बैसार के संबोधित क’ रहल छला। ओहि बैसार मे मुख्यमंत्री अपन उदगार व्यक्त कैला।