spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिनीतिन नवीन BJP के हेता राष्ट्रीय अध्यक्ष !

नीतिन नवीन BJP के हेता राष्ट्रीय अध्यक्ष !

-

लहरि रूम (नई दिल्ली) : भाजपा के राष्ट्रीय अध्यक्ष पद के लेल मात्र एकटा नाम प्रस्तावित कएल गेल अछि। भाजपा संगठन के राष्ट्रीय निर्वाचन अधिकारी डॉ. के. लक्ष्मण प्रेस कॉन्फ्रेन्स मे कहलनि राष्ट्रिय अध्यक्ष पद हेतु नामांकन केर प्रक्रिया पूर्ण भ’ गेल अछि। मात्र नीतिन नवीन के नाम केँ ऐके टा प्रस्तावना आयल अछि। राष्ट्रीय अध्यक्ष पद पर नितिन नबिन के पक्ष मे कुल 37 सेट नामांकन पत्र भेटल अछि, नामांकन पत्र के जांच के बाद सबटा नामांकन पत्र निर्धारित प्रारूप मे आ वैध पाओल गेल।

भाजपा संगठन केर राष्ट्रिय निर्वाचन अधिकारी डॉ के. लक्ष्मण केँ प्रेस वार्ता सँ स्पष्ट भ’ गेल अछि जे नीतिन नवीन राष्ट्रीय अध्यक्ष बनबा मे कोनो व्यवधान नहि छनि। घोषणा बस औपचारिकता मात्र अछि। अखन नीतिन राष्ट्रिय कार्यकारणी अध्यक्ष छथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts