spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिनीतीश कुमार के सरकार के उखाड़ि फेकय के संकल्प लेला प्रशांत किशोर...

नीतीश कुमार के सरकार के उखाड़ि फेकय के संकल्प लेला प्रशांत किशोर !

-

जे विवाह करबैत छैक सैह श्राद्धों करबैत छैक : प्रशांत किशोर !
लहरि रूम (पटना ) : जन सुराज पार्टी के संस्थापक प्रशांत किशोर शुक्रदिन 11 अप्रैल क’ पटना के गांधी मैदान मे विशाल जनसभा के संबोधित करैत बिहार प्रशासन आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर कसगर हमला केलनि। रैली के दौरान ओ पटना प्रशासन के निकम्मा कहैत आरोप लगौलनि जे रैली मे आबय वाला लाखों लोक के जानबूझि क’ रोकल गेल छल। प्रशांत किशोर कहलनि जे, हम चाहैत छलहुँ जे पाँच लाख लोकक संग बैसार करी, मुदा हजारो लोक एखनो जाम मे फँसल छथि। हम स्वयं दू घंटा सँ घुमैत छी, लोक पैदले आबि रहल अछि। हमरा कारण सँ जे कोनो दर्द भेल ताहि लेल क्षमाप्रार्थी छी। ओ दावा केलथि जे प्रशासन कई लाख लोक के बैसार मे नहि आबय देलक आ अहि केर परिणामक सामना सरकार के करय पड़त।

हम नीतीश के बनेलौं, आब हुनकर राजनीतिक श्राद्ध करब : प्रशांत किशोर !
नीतीश कुमार पर तंज कसैत प्रशांत किशोर बजलाह – जे विवाहक व्यवस्था करैत अछि ओ श्राद्धक व्यवस्था सेहो करैत अछि । अगर हम सब 2015 मे मदद नहि केने रहितहुं त’ आइ नीतीश रिटायरमेंट मे रहितथि। प्रशांत किशोर के कहबाक भाव इ छल जे आब जन सुराज पार्टी हुनक राजनीतिक अंतिम संस्कार करता।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts