लहरि रूम (पटना) : बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आइ सारण जिला के मढ़ौरा अनुमंडल अंतर्गत मढ़ौरा थाना के पाछू स्थित खेल मैदान मे अपन कार्यकर्ता केर संग आयोजित संवाद कार्यक्रम मे सम्मलित होयबाक लेल उपस्थित भेला | एहि दौरान कार्यकर्ता सबके संबोधित करैत मुख्यमंत्री कहला जे आइ हमरा एहि ठाम आबि कए प्रगति यात्रा के योजना क’ स्थल भ्रमण आ उद्घाटन आ शिलान्यास लेल आ अहां सब सँ गप करबाक मौका भेटल अछि। बहुत खुशी के बात अछि जे एहि कार्यकर्ता संवाद मे अपने सब गोटे पैघ संख्या मे उपस्थित छी। अहाँ सब गोटे के आभार व्यक्त करैत छी। अहाँ सब जनैत छी जे 2005 सँ पहिने सरकार बिहार केँ विकास लेल कोनो काज नहि केलक, पहिने स्थिति बहुत खराब छल। 24 नवंबर 2005 क’ जखन बिहार मे एनडीए सरकार बनल छल, तहिया सँ हम सब बिहार कें विकास मे लागल छी आ राज्य मे कानून क’ राज अछि। सब क्षेत्र मे तेजी सँ विकास भ’ रहल अछि। प्रारम्भ सँ शिक्षा आ स्वास्थ्यक क्षेत्र पर विशेष ध्यान देल गेल अछि। राज्य मे पैघ पैमाना पर सड़क, पुल आ कलवर्ट कें निर्माण भ’ चुकल अछि। सात निश्चय के तहत हर घर मे बिजली, घर मे नल के पानि, घर मे शौचालय आओर टोल के पक्का सड़क सँ जोड़य के काज पूर्ण भ’ गेल अछि। सात निश्चय योजना के तहत हम सब घर मे नल के पानि, घर मे शौचालय, घर मे बिजली, घर मे पक्का लेन आ नाली के निर्माण आदि के काज केलहुं अछि।

मुख्यमंत्री कहला जे केंद्र सरकार बिहारक विकास मे पूर्ण सहयोग द’ रहल अछि…….
जुलाई, 2024 कें बजट मे सड़क, उद्योग, स्वास्थ्य, पर्यटन, बाढ़ नियंत्रण लेल विशेष आर्थिक सहायता कें रूप मे बिहार कें पैघ राशि देबाक घोषणा कैल गेल छल। फरवरी, 2025 के बजट मे बिहार में मखाना बोर्ड, एयरपोर्ट के स्थापना, पश्चिमी कोसी नहर के लेल आर्थिक सहायता आदि के घोषणा कयल गेल अछि | खेलो इंडिया यूथ गेम्स के आयोजन केंद्र सरकार के तरफ सँ देश के किछ राज्य मे साल 2018 सँ कयल गेल छल। एहि साल बिहार मे खेलो इंडिया यूथ गेम्स के आयोजन भेल छल जे गर्व के बात अछि। हम सब एहि सब काज के लेल आदरणीय प्रधानमंत्री श्री नरेंद्र मोदी जी के आभार व्यक्त करैत छी |


