लहरि रूम (मधुबनी) : हिंसक विरोध के बीच नेपाल के विभिन्न जेल सँ कैदी सबके फरार होयबाक खबरि आबि रहल अछि। मीडिया रिपोर्ट के अनुसार जेल सँ भागय के एकटा पैघ मामला सामने आबि गेल अछि। 18 जिला मे 6 हजार सँ बेसी कैदी जेल सँ फरार भ’ गेला अछि। खबरि अछि जे बहुत ठाम कैदी जेल केँ दरवाजा तोड़ि क’ त’ कतौ बाहर निकलबा लेल बड़का बड़का छहरदीवार के ढाहि क’ फरार भ गेला अछि। अहि तरह सँ सामूहिक जेल टूटला सँ देश मे पहिले सँ पसरल अराजकता आओर बढ़ि गेल अछि , अहि पर नियंत्रण करबा मे अधिकारी सबके काफी परेशानी भ’ रहल छनि।

विरोध के बीच नेपाली सेना द्वारा राष्ट्रपति भवन पर कब्जा
शीतल निवास के नाम सँ जानल जाय वाला राष्ट्रपति भवन पर नेपाली सेना कब्जा क’ लेलक अछि । भ्रष्टाचार विरोधी विरोध प्रदर्शन के दौरान प्रदर्शनकारी द्वारा एकरा क्षतिग्रस्त आ आगि लगाओल गेलाक बाद नेपाल सेना एकरा नियंत्रण मे लेलक अछि। प्रदर्शनकारी के दावा छल जे हुनकर आन्दोलन लोक के अधिकार, पारदर्शिता आ जवाबदेही के मांग के लेल छल। लेकिन ई आन्दोलन हिंसक भ’ गेलै आओर सरकारी संपत्ति पर आगजनी आओर हमला के घटना सँ देश मे तनाव बढ़ि गेल । सरकारी अधिकारी आ सुरक्षा बल आब एहि इलाका के घेराबंदी क’ स्थिति के काबू मे अनबाक प्रयास क’ रहल छथि ।

नेपालगंजमे कर्फ्यू लगाओल गेल, आवश्यक कार्यक अनुमति
नेपालगंजमे बढैत तनावक बीच कर्फ्यू लगाओल गेल अछि । मुदा आपातकालीन सेवा जारी रहत आ आवश्यक काज लेल यात्रा करय वाला के रोकल नहि जा रहल अछि। भारतीय सुरक्षा बल नेपाली सेना के संपर्क मे अछि बताओल जा रहल अछि जे स्थिति पर नजरि राखत।

