spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeराजनीतिनेहरूक भावना केँ विपरीत मुसलमान केँ आरक्षण देबय चाहैत अछि कांग्रेस -...

नेहरूक भावना केँ विपरीत मुसलमान केँ आरक्षण देबय चाहैत अछि कांग्रेस – प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी

-

दरभंगा (बिहार) : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी एक बेर फेर बिहार दौरा आई 4 मई क’ मिथिला नगरी दरभंगा आयल छला । दरभंगा के राज मैदान मे भाजपा प्रत्याशी गोपालजी ठाकुर केँ समर्थन मे जनसभा केँ संबोधित कयला। पीएम मोदी द्वारा “भारत माता की जय” आ “जय श्री राम” केँ जयघोष सँ अपन भाषण केँ प्रारम्भ कयलनि । पीएम मोदी कहला जे एकटा राजकुमार (राहुल गांधी) दिल्ली मे छथि आ दोसर (तेजश्वी यादव) पटना मे छथि। ओ कहला जे जवाहरलाल नेहरू धर्मक आधार पर आरक्षण देबाक विरोध सेहो केने छलाह, आब कांग्रेस हुनकर भावना क’ विरुद्ध जा रहल अछि आ मुसलमान केँ कोटा देबाक तैयारी मे अछि। एक गोटे देश कें आ दोसर बिहार केँ अपन संपत्ति मानैत छथि। सभा स्थल पर लोकक हुजूम देख प्रधानमंत्री जनमानस लोकनि सँ जगह छोट होयबाक कारण पर क्षमा माँगलनि।

दरभंगा लोकसभा सीट पर चारिम चरण मे 13 मई क’ मतदान होमय वाला अछि। एहि ठाम भव्य गठबंधन भाजपा केँ गोपालजी ठाकुर केँ विरुद्ध ललित यादव केँ टिकट देलक अछि। मुकाबला दिलचप्स अछि । प्रधानमंत्री कहलनि जे जं जनता जनार्दन दरभंगा सँ गोपाल जी ठाकुर , झंझारपुर सँ जेडीयू प्रत्याशी रामप्रीत मंडल, समस्तीपुर सँ लोजपा (रा) केँ शाम्भवी चौधरी आओर मधुबनी सँ बीजेपी केँ अशोक कुमार यादव केँ मतदान करैत छथि तँ ओ वोट सीधा मोदी जी तक पहुँच जेतनि। जाहि सँ मोदी जिक ताकत बढतनि।

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी कहलनि जे भारत केँ संविधान लंबा चर्चा केँ बाद बनल अछि। बाबा साहेब अम्बेडकर, राजेन्द्र प्रसाद सन पैघ विद्वान लोकनि धर्मक आधार पर आरक्षण पर लंबा चर्चा करैत छलाह | 77 साल पहिने ओ सब फैसला केने छलाह जे हमरा देश मे धर्मक आधार पर आरक्षण नहि देल जा सकैत अछि। देश फेरसँ बांटल नहि जा सकैत अछि। बाबा साहेब खुलि क’ एकर विरोध केलथि। पंडित नेहरू धर्म केँ आधार पर आरक्षण केँ विरोध सेहो केने छलाह । आब हमर गरीब अनुसूचित जाति, अनुसूचित जनजाति, ओबीसी सँ कांग्रेस आओर ओकर सहयोगी दल केँ मोहभंग भ’ गेल अछि। कांग्रेस नेहरू केँ भावना केँ विरोध मे जा रहल अछि आओर बाबा साहेब अंबेडकर केँ पीठ मे छुड़ा मारि रहल अछि। कांग्रेस दलित, आदिवासी आ ओबीसी कोटा कम क’ मुसलमान केँ धर्म क आधार पर आरक्षण देबा मे लागल अछि। राजद सेहो एहि साजिश मे कंधा स कंधा मिला क’ काज कs रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts