spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिन्यू जलपाईगुड़ी केँ नजदीक कंचनजंगा एक्सप्रेस दुर्घटनाग्रस्त : राष्ट्रपति-प्रधानमंत्री शोक व्यक्त केलनि

न्यू जलपाईगुड़ी केँ नजदीक कंचनजंगा एक्सप्रेस दुर्घटनाग्रस्त : राष्ट्रपति-प्रधानमंत्री शोक व्यक्त केलनि

-

लहरि रूम : बिहार-बंगाल सीमाक समीप एकटा भयावह ट्रेन दुर्घटना भेल।रांगापानी रेलवे स्टेशन पर सियालदाह जा रहल कंचनजंगा एक्सप्रेस केँ पाछु सँ मालगाड़ी टक्कर मारि देलक। एहि टक्कर केन बाद कंचनजंगा एक्सप्रेस केँ कईटा कोच पटरी सँ उतरि गेल। तीनटा बोगी बहुत क्षतिग्रस्त भ’ गेल। दुर्घटनामे आठ गोटेके मृत्यु भेल अछि आ करीब 30 गोटे घायल भेल छथि । ई दुर्घटना न्यू जलपाईगुड़ी केँ नजदीक भेल अछि। रेलवे टीम जांच शुरू क’ देलक अछि। दुर्घटनाक बाद रेल परिचालन ठमकि गेल अछि । राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू, प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी, केंद्रीय रेल मंत्री अश्विनी वैष्णव आ पश्चिम बंगाल के मुख्यमंत्री ममता बनर्जी सहित अन्य नेता सब एहि दुर्घटना पर प्रतिक्रिया देलनि। एहि घटना पर ओ शोक व्यक्त केलनि। रेल मंत्री अश्विनी वैष्णव एहि दुर्घटनाक जायजा लेबय लेल दार्जिलिंग रवाना भ’ गेल छथि।

दार्जिलिंग पुलिस जानकारी देलक
दार्जिलिंग पुलिस केँ अपर एसपी अभिषेक राय कहलनि जे, “दुर्घटना मे पांच गोटे के मृत्यु भ’ गेल अछि । 20-25 यात्री घायल अछि। स्थिति गंभीर अछि। घटना तखन भेल जखन कंचनजंगा एक्सप्रेस के पाछु सँ मालगाड़ी टक्कर मारलक।”

पूर्वोत्तर सीमा रेवले – आपातकालीन हेल्पलाइन नंबर

  • KIR आपातकालीन सहायता डेस्क नंबर- 6287801805
  • वाणिज्यिक नियंत्रण- 9002041952, 9771441956
  • एनजेपी स्टेशन आपातकालीन नंबर- 6287801758
  • (एक्सीडेंट रिलीफ ट्रेन) एआरटी/न्यू जलपाईगुड़ी (एनजेपी)- 9434085300/
  • 9434085301/ 6287801742
  • एआरएमई/एनजेपी- 6287801756/9934807885/9608815719
  • अलुआबारी रोड जंक्शन (एयूबी) आपातकालीन नंबर- 8170034235
  • किशनगंज (केएनई) आपातकालीन नंबर- 7542028020 और 06456-226795
  • दालखोला (डीएलके) आपातकालीन नंबर- 8170034228
  • बारसोई (बीओई) आपातकालीन नंबर- 7541806358
  • एसएएमएसआई आपातकालीन नंबर- 03513-265690/ 03513- 265692
  • (एक्सीडेंट रिलीफ ट्रेन)ART/KIR नंबर- 9473198029/9473198026
  • रंगिया डिवीजन हेल्प डेस्क नंबर- रंगिया जंक्शन स्टेशन: 9101095573, न्यू
  • बोंगाईगांव स्टेशन: 9435021417/9287998179 और बारपेटा रोड स्टेशन: 9287998173
  • गुवाहाटी हेल्प डेस्क नंबर-गुवाहाटी स्टेशन: 03612731621/03612731622/03612731623
  • एआरएमई/केआईआर 9473198307/ 9473198308/ 9473198309/ 9473198310/
  • 6287801752/ 6287801753/6287801754/ 6287801755

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts