spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeशोकपंचतत्व मे विलीन भेला डा० प्रोफेसर गुणेश्वर झा :अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् ,...

पंचतत्व मे विलीन भेला डा० प्रोफेसर गुणेश्वर झा :अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् , झारखण्ड प्रदेश प्रकट केलक शोक देलक श्रद्धांजलि

-

लहरि रूम (रांची) : रांची विश्वविद्यालय के भूगर्भ शास्त्र के पूर्व विभागाध्यक्ष, देश ,विदेश के चर्चित शिक्षाविद ,भारतीय लोकतंत्र के प्रबल पक्षधर डा० प्रोफेसर गुणेश्वर झा के निधन आइ 16 जुलाई क’ प्रातः काल मे भेल। स्व. गणेश्वर झा विगत किछु साल सँ अस्वस्थ छला। हिनक दाह संस्कार रांची के हरमू स्थित मुक्तिधाम अपराह्न बेला मे कयल गेल। हिनक निधन पर अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् , झारखण्ड प्रदेश शोक प्रकट कयलक। अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् , झारखण्ड प्रदेश के अध्यक्ष अमरनाथ झा , संरक्षक बिनोदानंद झा ‘बुबु जी’ संग अनेको मैथिल आ अन्य समाजक लोक उपस्थित छला। प्रदेश अध्यक्ष अमरनाथ झा अपन शब्दक श्रद्धासुमन अर्पित करैत कहला जे स्व. गुणेश्वर झा के गेला सँ मिथिला समाज के संग – संग अन्य समाज के क्षति भेल अछि जे की अपूर्णीय अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts