spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिपंजाब केँ सुरक्षा एजेंसी भेल सतर्क : खालिस्तानी आओर कट्टरपंथी विचारधारा केँ...

पंजाब केँ सुरक्षा एजेंसी भेल सतर्क : खालिस्तानी आओर कट्टरपंथी विचारधारा केँ भेटल अछि समर्थन

-

अमृतपाल सिंह-सरबजीत खालसा केँ भेल अछि विजय ( अभिव्यक्ति )
खदुर साहब संसदीय सीट पर कांग्रेस केँ निकटतम प्रतिद्वंदी कुलबीर सिंह जीरा केँ 1,97,120 मतक अंतर सँ पराजित कय पंजाब मे सबस पैघ जीत दर्ज करौलनि अछि। फरीदकोट मे सरबजीत खालसा आम आदमी पार्टी केँ करमजीत सिंह केँ 70,053 वोट सँ हरा देलखिन्ह। दुनू गोटे पहिल बेर चुनाव जीतल छथि। एहि मे कतौ अतिश्योक्ति नहि अछि जें दुनू कट्टरपंथी नेता खालिस्तान केँ समर्थक छैथ।

अमृतपाल सिंह क’ 404430 वोट भेटल। सरबजीत सिंह 2.98 हजार वोट प्राप्त केलनि। कट्टरपंथी विचारक सिमरंजीत मान लोकसभा चुनाव मे संगरूर सँ पराजित भेला अछि , मुदा तीन दशक पहिने हुनक या अन्य कट्टरपंथी विचारधारा समर्थक द्वारा प्रारम्भ कयल गेल अभियानक छाया एक बेर पुनः पंजाब मे देखबा मे आयल अछि ।

पंजाबक दू संसदीय क्षेत्र मे खालिस्तान समर्थक कें एकतरफा जीत आओर लोकसभा केँ बहुत सीट पर कट्टरपंथी केँ वोटक हिस्सेदारी बढ़ला सँ चिंता बढ़ि गेल अछि। दू संसदीय क्षेत्र मँ अप्रत्याशित परिणाम आओर 11 सीट पर कट्टरपंथी समर्थक केँ मतक हिस्सेदारी मँ वृद्धि केँ अवलोकन करैत पाकिस्तान सँ सटल प्रांत मे केंद्रीय सुरक्षा एजेंसी सतर्क भ’ गेल अछि । विशेषज्ञक अनुसार एहि जनादेश मे बहुत रास संदेश अछि। कट्टरपंथी शक्ति केँ हवा देबय वाला तत्व केँ खोज सेहो शुरू भ’ गेल अछि। जेल सँ चुनाव लड़निहार खालिस्तान समर्थक अमृतपाल सिंह आ इंदिरा गांधी क’ हत्यारा केँ बेटा सरबजीत सिंह खालसा कें जीत सँ अनेको अर्थ निकली क’ बाहर आबि रहल अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts