spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिपकिस्तान सेना पर आत्मघाती हमला -तालिबान आ पाकिस्तान कें युद्ध केँ आशंका...

पकिस्तान सेना पर आत्मघाती हमला -तालिबान आ पाकिस्तान कें युद्ध केँ आशंका !

-

लहरि रूम (रांची) : तालिबान, जाहि केर खतरनाक लड़ाका सैनिक के शौर्य पराक्रम कें लोहा अमरीकी सेना सेहो देख चुकल अछि ओहि लड़ाका सैनिक कें नाम अबिते पाकिस्तानी सैनिक के सेहो देह थर थर काँपय लगैत अछि । तालिबानी लड़ाका कें बारे मे कहल जाइत अछि जे जं इ लोकनि कोनो शपथ लैत छथि त’ अंतिम श्वांस तक ओहि शपथ कें पूर्ण करैत छथि । मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे तालिबान पाकिस्तान के खिलाफ अंत तक लड़ाई के घोषणा क’ देने अछि । तालिबान सेना हजारों सैनिक, टैंक, बख्तरबंद गाड़ी आ खतरनाक हथियार के संग डुरांड लाइन पर हमला केलक। अफगानिस्तान आ पाकिस्तान के सीमा पर खतरनाक युद्ध शुरू भ’ गेल अछि। तालिबान के युद्ध के आदत छैक , लेकिन अहि खबर के बाद पाकिस्तान मे दहशत उत्पन्न भ’ गेल अछि । मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे उत्तर-पश्चिम पाकिस्तान मे आत्मघाती बम विस्फोट मे कम सँ कम 13 जवान के मृत्यु भ’ गेल अछि। जानकारी के अनुसार इ आत्मघाती हमला अफगानिस्तान के सीमा के पास स्थितखैबर पख्तूनख्वा प्रांत मे भेल अछि ।

पाकिस्तान मे भेल अछि आत्मघाती हमला
एकटा आत्मघाती हमलावर विस्फोटक सँ भरल गाड़ी पाकिस्तानी सैन्य काफिला मे टक्कर मारलक। विस्फोटमे 13 जवान के मृत्यु , 10 सैनिक आ 19 नागरिक घायल भेल छथि । विस्फोट सँ नजदीक कें घर कें सेहो नुकसान पहुंचल अछि। खैबर पख्तूनख्वा मे तैनात एकटा पुलिस अधिकारी द्वारा जानकारी देल गेल अछि। अखनधरि कोनो समूह द्वारा अहि केर एकर जिम्मेदारी नहि लेल गेल अछि , मुदा अहि क्षेत्र मे तहरीक-ए-तालिबान पाकिस्तान (टीटीपी) केर द्वारा अशांति आ हमला देखल गेल अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts