रांची : विगत किछु दिन झारखण्ड केँ राजधानी जेना अपराध आओर अपराधी केँ गिरफ्त मे आबि गेल अछि। वयस्क पर आओर वयस्क द्वारा भेल घटना पर त’ प्रश्न जागृत होइत छैक जे सरकार किछु नहि क’ रहल छैक, जंगल राज आबि गेलइ आओर एहि तरहक अनेको नारा सँ अखबार सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म लिपल पोतल भेटत । लेकिन जखन अपराध करैत छोट – छोट बच्चा सबके देखबा मे अबैत छैक तखन ओहि केँ पाछू नशा केँ कारण भेनाइ सबके आश्चर्यचकित क’ दैत छैक। झारखण्ड केँ रांची जिला केँ हरमू क्षेत्र मे अहिना छोट- छोट बच्चा सब चोरी केँ कार्य मे सक्रीय भ’ गेल अछि। जतय कतौ अन्हार घर भेटल ओहि केँ ताला तोड़ी घर मे घुसि चोरी करैत छथि। चोरी करल समान केँ ओने पौने दाम मे बेचि क’ नशा केँ सेवन करैत छथि। हरमू क्षेत्र केँ सबजी बाजार मे आये दिन मोबाईल गायब होई केँ अनेकों घटना घटित होइत अछि। सब छोट – छोट बच्चा सबके किरदानी रहैत अछि।
एहि चोरी केँ समस्या सँ निपटबाक लेल प्रशासन हमेशा मौन अछि। बहुत अत्यधिक सामाजिक दबाब स्थानीय थाना पर बनेलाक बाद उत्तर अबैत अछि – “जे हम सब किछु नहि क’ सकैत छी। कोर्ट Juvenile अपराधी केँ अपराधी नहि मानैत अछि। बेसी सँ बेसी अहाँ सब ज’ पकरि क’ देब त’ थाना अपने सब सँ लिखित FIR पर जब्त Juvenile अपराधी केँ कोर्ट पठा देत। कोर्ट Juvenile अपराधी केँ सजा नहि द’ बाल सुधार गृह पठा देत। पुनः 90 दिन बाद छुटि क’ आबि जायत आओर वैह कृत्य करत। “
कुल मिला क’ Juvenile अपराधी भय मुक्त भ’ कोनो तरहक आपराधिक घटना केँ अंजाम दैत छथि।