
लहरि रूम (रांची) : आइ 15-2-2026 केँ महाशिवरात्रि के अवसर पर राँची पहाड़ी मंदिर परिसर मे बाबा विद्यापति स्मृति समिति द्वारा श्रद्धालु सेवा शिविर केँ आयोजन कयल गेल | श्रद्धालु सेवा शिविर मे शिव भक्त केँ निःशुल्क कच्चा दूध, फूल, बेलपत्र, अगरबत्ती , भांग, धतूरा, आदि के वितरण कयल गेल | शिविर के उद्घाटन भोर 7 बजे समिति केँ अध्यक्ष जयंत झा आ महासचिव उदित नारायण ठाकुर जी केलनि।आजुक आयोजन मे समिति अध्यक्ष जयंत झा, उदित नारायण ठाकुर, मृत्युंजय झा, वैद्य मनोज झा, राजेश झा, छबी झा, संतोष मिश्रा, तरुण झा, सुमन झा, विमलेश झा, राजीव रंजन, छाबी झा, तरुण गिरी, अंजनी कांत झा, सुमन झा, गुड्डू झा संग अनेको मैथिल द्वारा योगदान देल गेल |

भव्य निकलल शिव बारात
महाशिवरात्रि के पावन अवसर पर रांची केर ऐतिहासिक पहाड़ी मंदिर मे आयोजित भव्य महाशिवरात्रि महोत्सव आ शिव बारात मे झारखण्ड राज्य केँ मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन, रांची केँ विधायक सी पी सिंह, राज्यसभा सांसद महुआ मांझी , पूर्व केन्द्रीय मंत्री सुबोध कांत सहाय संग अनेको गणमान्य उपस्थित भेला। श्रद्धालु लोकनिक अपार आस्था, उत्साह आ भक्ति सँ सम्पूर्ण पहाड़ी मंदिर परिसर शिवमय भ’ गेल छल । अनगिनत संख्या मे पहाड़ी मंदिर मे पहाड़ी बाबा के शिव भक्त लोकनि गंगाजल आओर दूध सँ अभिषेक कयलनि।


