नयी दिल्ली/ पाकिस्तानी सेना अपन खुलासा में कहलक अछि कि ओ दू टा सेना अधिकारी के देश निकाला द देलक। पाकिस्तानी सेना एहो कहलक कि ओ दुनू अधिकारी अफगान मूल के छथि। ई खुलास एहन समय में भ रहल अछि जखन पाकिस्तानी हवाई सेना, अफगानी सीमा पर छुपल आतंकवादी कैं खिलाफ लगातार कार्रवाई क रहल अछि।
जानकारी के अनुसार पाकिस्तान लगातार तहरीके तालिबान के खिलाफ अभियान चला रहल अछि। ओही अभियान के दौरान विगत 24 घंटा के अंदर पाकिस्तानी हवाई सेना आठ जगह पर हमला कैलक। ओहि हमला में कैटा आतंकवादी के मारल जायक समाचार सेहो मिल रहल अछि। हालांकि पाकिस्तानी हमला के ल क अफगान सरकार आपत्ति जतैलक। ओ कहलक कि पाकिस्तानी हवाई हमला में आम नागरिक मारल गेल अछि। जहि में बच्चा आ महिला बेसी अछि।
एहि बीच अब ई खबर आ रहल अछि कि पाकिस्तानी सेना कैटा अपन नागरिक के निष्काषित क देलक अछि। ओई नागरिक में दूटा सेना के अधिकारी सेहो छैथ। ओ दुनू सेना अधिकारी अफगानी मूल के बताओल जा रहल अछि।