नवादा (बिहार) : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी भारतीय जनता पार्टी के उम्मीदवार विवेक ठाकुर के समर्थन मे जनसभा करय लेल शनिदिन नवादा पहुंचलाह। पीएम मोदी सँ पहिने बिहार केँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन विचार रखलनि । ओ बिहार सरकार आ केंद्र सरकारक योजनाक फायदा केँ बारे चर्चा कयलनि । एहि बीच मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ जीभ सेहो एक बेर फिसल गेल। ओ बजलाह – “आदरणीय प्रधानमंत्री केँ सरकारक दसम साल चलि रहल अछि। आओर आगू सेहो चलैत रहतनि , आओर पांच साल मे कोनो दिक्कत नहि होएत। हमरा सभ केँ पूरा उम्मीद अछि जे चारि…चारि हजार सँ बेसि सांसद मे रहताह। हम सभ ई आग्रह करय करबाक हेतु आयल छी आओर अहाँ सब एकरा पूरा क’ दियौक।”
देश मे 543 संसदीय क्षेत्र अछि आ ओतबे संख्या मे सांसद चुनल जाइत अछि। बिहार मे चालीस सीट अछि। एहि बेर पीएम मोदी 400 पार करबाक लक्ष्य तय केलथि अछि, मुदा 400 क’ जगह मुख्यमंत्री कहला जे चारि हजार।
Trending Now
