लहरि रूम : किछु दिन पहिने दुमका जिला केँ हंसडीहा थाना क्षेत्र मे स्पेन सँ आयल महिला पर्यटक केँ संग सामूहिक बलात्कार केँ घटना सँ झारखण्ड संग सम्पूर्ण भारत विश्व पटल पर शर्मसार भेल छल। मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे फेर 13 जून क’ दुमका केँ शिकारीपाडा थाना क्षेत्र केँ एकटा गाम मे पश्चिम बंगाल सँ विवाह समारोह मे सम्मलित होबय लेल आयल एकटा आदिवासी लड़की केँ संग 5 युवक सामूहिक बलात्कार कयलनि अछि । मामला के संज्ञान मे अयला के तुरंत बाद पुलिस कार्रवाई केलक आ सब 5 नामित आदिवासी युवा केँ हिरासत मे ल’ लेलक अछि । सब सँ पूछताछ भ’ रहल अछि। हुनकर संलग्नता केँ सत्यापन भ’ रहल अछि।
पुनः दुमका केँ दुष्कर्म क्रिया सँ शर्मसार भेल झारखण्ड : 15 साल केँ बचिया सँग भेल दुष्कर्म
-

