
लहरि रूम (रांची) : आई दिनाँक 01-11-2025 क’ बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची के कचहरी स्थित कार्यालय मे पंडितजी बिंदु शेखर झा द्वारा वैदिक मंत्र के जपक संग देवोत्थान एकादशी पर भगवान श्रीनारायण के पूजन के शुभारम्भ कयल गेल । आजुक पूजनक यजमान समिति के संयुक्त सचिव संतोष मिश्र छला | तुलसी विवाह पूजा के संग देवोत्थान एकादशी पूजा सेहो कयल गेल |

आजुक पूजन के बारे मे जानकारी दैत समिति के अध्यक्ष जयंत झा कहलनि जे आजुक दिन कुशियार के सिंहासन पर भगवान शालिग्राम के पूजा के बाद भगवान हरि विष्णु के जगाओल जाइत छनि | पिछला चारि मास सँ भगवान हरि विष्णु सनातन निद्रा मे छलाह आ भगवान भोले नाथ ब्रह्माण्ड क देखभाल क रहल छलाह । देवोत्थान एकादशी के दिन भगवान हरि विष्णु के अनन्त निद्रा सँ जगौला के बाद भगवान हरि विष्णु आई सँ ब्रह्माण्ड केपालन पोषण के कार्य करताह आ शुभ कार्य आई सँ स्वयं शुरू होयत। आजुक दिन भगवान शालिग्रामक पूजा आ तुलसी विवाह कार्यक्रम समिति द्वारा कतेको वर्ष सँ कयल जा रहल अछि | समिति के अध्यक्ष जयंत झा समस्त विश्व के शांति आ कल्याण के प्रार्थना केलनि। श्रीनारायण के पूजा मे भाग लेनिहार सब भक्त के बीच शीतल प्रसाद के वितरण कयल गेल। आजुक कार्यक्रम मे बिंदु शेखर झा जी द्वारा भजन प्रस्तुती सब सज्जन वृन्द के आनंदित केलक। बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची के स्थापना दिवस सेहो छल। देवुत्थान एकादशी पूजा सह समिति के स्थापना दिवस कार्यक्रम मे समिति के अध्यक्ष जयंत झा, मृत्युंजय झा, डॉ. पंकज राय, मनोज झा, संतोष मिश्र, सुमन झा, विनय सिंह, सौरभ कुणाल, राजेश झा, अनिल सिन्हा, राम सेवक महतो, रंजीत ठाकुर, मनोज चौधरी, आशीष पाण्डेय, मणिकांत ओझा, प्रेमचंद ठाकुर राधेश्याम यादव संग अनेको स्नेही जन उपस्थित भ’ कार्यक्रम के सफल बनौलनि।

