spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि'पेनाल्टी' केँ संग-संग 'ब्लैकलिस्ट' करबाक चेतावनी देलनि नितिन गडकरी, कारण ?

‘पेनाल्टी’ केँ संग-संग ‘ब्लैकलिस्ट’ करबाक चेतावनी देलनि नितिन गडकरी, कारण ?

-

लहरि रूम : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे झारखंड मे सड़कआओर कॉरिडोर प्रोजेक्ट्स (परियोजना) केँ धीमा प्रगति सँ केंद्रीय मंत्री नितिन गडकरी नाराज छथि। सोमदिन समीक्षा बैसार मे ओ राज्य केँ अधिकारी आ विभागीय अधिकारी पर जबरदस्त बिगड़ला । ओ कहला जे भारत सरकार द्वारा झारखंड मे देल गेल कोनो परियोजना समय पर पूरा नहि भ’ रहल अछि। एहि बैसार मे गडकरी जी केँ द्वारा पेनल्टी केँ चेतावनी सेहो देल गेल।

गडकरी झारखंड केँ अधिकारी लोकनि केँ कहला ……..

केंद्रीय मंत्री झारखंड सरकार केँ अधिकारी केँ कहला जे अहां सब नव परियोजना केँ बारे मे त’ कोनो चर्चा त’ करैत छी संगहि केंद्र द्वारा आयल परियोजना केँ सेहो नहि पूर्ण क’ रहल छी। ओ आगू कहलनि जे, जौं समय पर परियोजना पूरा नहि भेल त’ सरकार केँ ठेकेदार केँ जुर्माना देबय पड़ैत अछि, जाहि केँ कारण केंद्र सरकार केँ पैसा बर्बाद भ’ रहल अछि। ओ एहि बात पर जोर देलनि जे सरकार लग पैसा केँ कोनो कमी नहि अछि, मुदा काज समय पर पूरा करबाक चाही।

गडकरी खास क’ रातु रोड मे एलिवेटेड कॉरिडोर निर्माण केँ प्रगति पर नाराजगी व्यक्त केलथि। ओ सुनील कुमार केँ कहलनि जे अहाँ चारि साल सँ सचिव छी। विभाग ठीक सँ नहि चलि रहल अछि। योजना पर ठीक सँ निगरानी नहि भ’ रहल अछि। विभाग केँ काज मे सुधार नहि भेल त’ उच्च अधिकारी केँ चिट्ठी लिखल जाएत आओर ओकर जबाब सेहो दै लेल तैयार रहै परत ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts