दिल्ली :दिल्ली हाईकोर्ट सँ अरविंद केजरीवाल केँ पैघ झटका लागल अछि। मीडिया सूत्र सँ खबरि सोझा मे आबि रहल अछि जें दिल्ली उच्च न्यायालय द्वारा मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल केँ दंडात्मक कार्रवाई सँ कोनो अंतरिम सुरक्षा नहि देल गेलनि अछि आओर कहल गेल जे आब एहि स्तर पर हाईकोर्ट कोनो अंतरिम राहत देबाक इच्छुक नहि अछि। मुदा, कोर्ट केँ द्वारा ED सँ किछु प्रश्न केँ जबाब मँगैत मामला केँ 22 अप्रैल तक हेतु तक सूचीबद्ध कयलक अछि। ED केँ अगला समन भेजय पर कोनो रोक नही लागल अछि।
संभावना अछि जें दिल्ली केँ मुख्यमंत्री एहि मामला केँ ल’ क’ सर्वोच्च न्यायालय जा सकैत छथि।
