spot_img
Thursday, August 21, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिप्रज्वल रेवन्ना के आजीवन कारावास संग 11 लाख टका कें जुर्माना :बेंगलुरु...

प्रज्वल रेवन्ना के आजीवन कारावास संग 11 लाख टका कें जुर्माना :बेंगलुरु स्पेशल कोर्ट !

-

बलात्कारी है प्रज्वल रेवन्ना…….
कर्नाटक के मैसूर के केआर नगर मे एक घरेलू सहायिका के संग बलात्कार आ वीडियो टेपिंग के मामला मे पूर्व प्रधानमंत्री एचडी देवगौड़ा के पोता आ पूर्व जेडी(एस) सांसद के पूर्व सांसद प्रज्वाल रेवन्ना के आजीवन कारावास आ 11 लाख ₹ के जुर्माना के सजा सुनाओल गेल अछि।

की अछि पूरा मामला ?
एहि देशक इतिहास मे सबस पैघ कांड तखन होइत अछि जखन किछु अनजान लोक आबि कए घर, बस, बाजार मे सब ठाम पेन ड्राइव फेकैत छथि आ चलि जाइत छथि। आइ सँ 14 मास पूर्व एक गोटे कें अहिना फेकल पेन ड्राइव भेटल ओ पेन ड्राइव आनि अपन कंप्यूटर सिस्टम मे लगौलनि। पेन ड्राइव लगाबैत देरी ओहि ठाम उपस्थित सब गोटे के पसीना बहय लागल। ओहि पेन ड्राइव के भीतर बहुत रास वीडियो छल जाहि लड़कि सब चिचिया रहल छल, छोड़य के गुहार लगा रहल छल. मुदा वीडियो मे जे आदमी देखल गेल ओ मानसिक रोगी जकाँ व्यवहार क’ रहल बुझाइत छल। 60 सँ 65 साल क महिला चिचिया रहल छल आ ओ ओकरा संग जबरदस्ती क’ रहल छल । इ घटना प्रशासन लग पहुँचल। मामला अदालत मे गेल। 21 अप्रैल 2024 इ मामला सोशल मीडिया पर तूल पकरय लागल। अहि मे प्रज्वल रेवन्ना के संलिप्तता हेबाक चर्चा होबय लागल। वीडियो जखन खूब चलय लागल तखन 23 अप्रैल 2024 क’ एक महिला के द्वारा हासन सेंट्रल ईएन पुलिस स्टेशन मे प्रज्वल रेवन्ना के खिलाफ शिकायत दर्ज कराओल गेल। चुकी ओहि समय चुनाव छल त’ 26 अप्रैल क’ प्रज्वल रेवन्ना मतदान क’ गिरफ्तारी के डर 27 अप्रैल क’ भारत छोड़ी जर्मनी भागी जायत छथि। पुनः कर्णाटक सरकार के SIT गठित होइत अछि। 7 मई 2025 क’ जेडीएस महिला कार्यकर्ता द्वारा प्रज्वल रेवन्ना बलात्कार करबाक केस काइल जाइत अछि। 31 मई 2024 प्रज्वल रेवन्ना के भारत वापसी के क्रम मे बेंगलुरु एयरपोर्ट पर SIT द्वारा गिरफ्तार कयल छनि। जून 2024 एकटा तेसर महिला जेकर आयु लगभग 60 वर्षक ओहो हिनका ऊपर बलात्कार के केस ठोकी देलक। अहि मामला कें 31 दिसंबर 2024 क’औपचारिक रूप सँ अदालत मे कार्रवाही शुरू भेल। 1 अगस्त 2025 क’ लगभग 7 मासक जिरह के उपरांत प्रज्वल रेवन्ना कें एकटा बलात्कार के मामले मे दोषी बतौलक।

एहि घटनाक करीब एक साल बाद आइ 2 अगस्त 2025 क’ बेंगलुरु कोर्ट सँ एकटा पैघ फैसला सामने आयल अछि। पूर्व प्रधानमंत्री एचडी देवगौड़ा के पोता आ जदयू पूर्व सांसद के कर्नाटक के मैसूरू के केआर नगर मे घरेलू सहायिका के बलात्कार आ वीडियो बनाबय के मामला मे आजीवन कारावास आ 11 लाख रुपया के जुर्माना के सजा सुनाओल गेल अछि।बलात्कार पीड़ित के मुआवजा के रूप मे 11 लाख रुपया के जुर्माना राशि देल जायत। मामला दर्ज करला के महज 14 महीना बाद फैसला सुनाओल गेल आ मुकदमा उल्लेखनीय गति सँ पूर्ण भेल अछि। आपराधिक जांच विभाग (सीआईडी) के साइबरअपराध थाना पर दर्ज मामला मे रेवन्ना पर महिला के संग दू बेर बलात्कार आ एहि काज के रिकॉर्डिंग के आरोप अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts