प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा आई प्रातः भारत केँ सबसँ पैघ केबल ( मोटका तार) आधारित पुल केँ उद्घाटन कैल गेल। गुजरात राज्य मे ओखा मुख्य भूमि आओर बेयट द्वारका केँ जोड़य वला लगभग 2. 32 किलो मिटरक सुदर्शन सेतु अछि। एहि सेतुक निर्माण मे 980 करोड़ रुपया केँ खर्च भेल अछि। एहि सुदर्शन सेतु केँ ओखा-बेट द्वारका सिग्नेचर ब्रिज रूप मे सेहो जानल जाइत अछि। 2. 32 किलो ओखा-बेट द्वारका सिग्नेचर ब्रिज द्वारिकाधीश मंदिर आबय वला निवासी, प्रवासी एवं तीर्थयात्री सभहक लेल विशेष महत्व रखैत अछि।
Trending Now
