spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिप्रवर्तन निदेशालय बंगाल मे 10 जगह पर छापा मारलक

प्रवर्तन निदेशालय बंगाल मे 10 जगह पर छापा मारलक

-

कोलकाता/ प्रवर्तन निदेशालय (ईडी)क अधिकारी पश्चिम बंगालक उत्तर २४ परगना जिलामे तृणमूल कांग्रेसक दूटा नेताक आवास सहित १० स्थानपर एक सङ्ग छापा मारलनि। ई जानकारी ईडी के अधिकारी स्वयं देलखिन।

ई कार्रवाई करोड़ों रुपयाक राशन वितरण घोटालाक चलि रहल जाञ्चक हिस्सा अछि। अधिकारी लोकनि कहलनि जे ईडीक अधिकारी केंद्रीय बलक संग राजारहाट, बारासात, बशीरहाट, भांगर आ देगंगामे छापा मारलनि।

एकटा अधिकारी मीडियाकेँ बतौलनि जे चाउर आ आटा मिलक सङ्ग-सङ्ग एहि घोटालामे प्रत्यक्ष वा अप्रत्यक्ष रूपसँ सम्मिलित व्यवसायीक कार्यालयपर छापा मारल गेल। एहिमे देगंगाक तृणमूल कांग्रेसक दूटा नेता शामिल छथि, जिनकर मिलक तलाशी लेल जा रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts