spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिप्रशांत किशोर आमरण अनशन प्रारम्भ : मामला BPSC

प्रशांत किशोर आमरण अनशन प्रारम्भ : मामला BPSC

-

लहरि रूम (पटना ): राजनीतिक रणनीतिकार आ जन स्वराज पार्टी क’ संस्थापक प्रशांत किशोर पटना मे हाल मे आयोजित BPSC केर परीक्षा रद्द करय क’ मांग करैत अनशन करबाक घोषणा केलनि अछि। अनशन प्रारम्भ करय सँ पूर्व एकटा सभा कें संबोधित करैत किशोर परीक्षा संचालन मे कथित गड़बड़ी पर गंभीर चिंता व्यक्त करैत तत्काल हस्तक्षेप करबाक हेतु सरकार क’ आह्वान केलनि। ई डेग कुप्रबंधन आ भर्ती प्रक्रिया मे पारदर्शिता क’ कमी क’ बढ़ैत आरोपक बीच उठाओल गेल अछि ।

अपन मैथिलक स्कूल

प्रशांत किशोर जोर देलनि जे हुनक अनशन केँ उद्देश्य राज्य सरकार पर दबाव बनेबाक अछि जे ओ तेजी सँ कार्रवाई करय आ पब मे निष्पक्षता सुनिश्चित करय। ओ कहलनि जे, हम ओहि भ्रष्ट अधिकारी पर सेहो कार्रवाई क’ मांग करैत छी जे कथित तौर पर परीक्षा क’ माध्यम सँ भरय वाला पद क’ घूस केर लेल राखि देने छथि। उल्लेखनीय अछि जे प्रदर्शनकारीक प्रतिनिधिमंडल क’ मुख्य सचिव अमृत लाल मीना सँ भेंट करबाक तुरंत बाद किशोर सोमदिन कहने छलाह जे ओ ‘48 घंटा’ क इंतजार करताह आ जौं नीतीश सरकार 13 दिसंबर क’ होबय बला संयुक्त प्रतियोगी परीक्षा पर कोनो कार्रवाई नहि करत आ असफल भ’ जायत त’ आन्दोलन तेज भ’ जायत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts