spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिफेर सँ एक बेर झारखण्ड मे हेमन्त सरकार : संभावना प्रबल !

फेर सँ एक बेर झारखण्ड मे हेमन्त सरकार : संभावना प्रबल !

-

रांची : झारखंड केँ राजनीति मे बड़का बदलाव आबय वाला अछि। रांची केँ सीएम हाउस मे पार्टी के सत्तारूढ़ गठबंधनक विधायक दल केँ बैसार मे पैघ निर्णय लेल गेल अछि। सूत्रक अनुसार हेमंत सोरेन फेर सीएम केँ कुर्सी पर बैसताह। पूर्व सीएम हेमंत सोरेन केँ जेल सँ बाहर अयला केँ बाद झारखंड केँ राजनीति मे काफी उथल-पुथल भ’ गेल अछि। सूत्रक अनुसार हेमंत सोरेन फेर सीएम के कुर्सी पर बैसताह। चम्पाई सोरेन झामुमो के कार्यरत अध्यक्ष भ’ सकैत छथि। मुदा एखन धरि एकर आधिकारिक घोषणा नहि भेल अछि।

राज्यपाल केँ अयला पर मुख्यमंत्री चम्पई सोरेन इस्तीफा जमा क’ सकय छथि
राज्यपाल सी. पी. राधाकृष्णन एखन चेन्नई मे छथि। बुधदिन साँझ सात बजे धरि राज्यपाल रांची वापस आबि सकैत छथि। कहल जा रहल अछि जे राज्यपाल केँ अबैत देरी चंपई सोरेन अपन इस्तीफा जमा क’ सकैत छथि। एम्हर हेमंत सोरेन जेल सँ अयला केँ बाद हुनकर पत्नी कल्पना सोरेन सेहो पहिने सँ बेसि सक्रिय भ’ गेल छथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts