spot_img
Friday, November 21, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिबंगालक खाड़ी मेँ कम दबावक सिस्टम, महाराष्ट्र आ ओडिशा मेँ भारी बरखा,...

बंगालक खाड़ी मेँ कम दबावक सिस्टम, महाराष्ट्र आ ओडिशा मेँ भारी बरखा, झारखंड-बिहार मेँ झमाझम पानीक बाद राहत

-

नई दिल्ली/पटना/रांची/ महाराष्ट्र-ओडिशा आ केरल मेँ लौटैत मानसूनसँ भारी बरखा भश् रहल अछि। एहि प्रकारक बरखा आब वॉक सम्भावना अछि। एक दिस बंगालो खाड़ी मेँ बनल कम हवा दबावक कारण पाछिला किछु दिनसँ झारखंड मेँ बरखा भऽ रहल अछि। एकर कारण बिहार मेँ सेहो बरखा भेल अछि आ तेज हवा सेहो चलि रहल अछि।

मिलल खबरि पर यदि भरोसा करी तऽ तिरुवनंतपुरम, हैदराबाद में भारी बारिश जारी अछि। उत्तर भारतक राज्यसभ सँ लौट रहल मानसून आइकालि दक्षिणी राज्यसभ में सक्रिय अछि। मौसम विभाग आज महाराष्ट्र, ओडिशा, केरल, तमिलनाडु आ आंध्र प्रदेश में बारिशक अलर्ट जारी केलक अछि।

मौसम विभाग तिरुवनंतपुरम, कोल्लम, पाथनमथिट्टा, अलप्पुझा, कोट्टायम, इडुक्की आ एर्नाकुलम लेल ऑरेंज अलर्ट जारी केने अछि। तिरुवनंतपुरम मे स्कूल-कॉलेज बंद करबाक आदेश जारी कैल गेल अछि। हैदराबाद मे खराब मौसमक कारण 3 फ्लाइट डायवर्ट करए पड़ल। तमिलनाडुक कन्याकुमारी मे सेहो भारी बरसातक कारण स्कूल-कॉलेज बंद रहयत अछि।

बंगालक खाड़ी में बनल लो प्रेशर सिस्टम सं 28 सितंबर धरि महाराष्ट्र आ ओड़िशाक कई हिस्सा में वर्षा भऽ सकैत अछि। ओड़िशामें 18 जिलाएक उच्च सतर्कता राखल गेल अछि। मौसम विभाग एखन महाराष्ट्रक विदर्भ क्षेत्रक गढ़चिरौली, गोंदिया आ चंद्रपुर जिलामें भारी वर्षाक भविष्यवाणी केने छथि। जखनकि राज्यक अधिकांश ठाम गर्जनक संग बिजली आ तेज पवनक संग वर्षा होयबाक सेहो अनुमान अछि।

उत्तरीपूर्व भारत केर असम, मेघालय, नागालैंड, मणिपुर, मिज़ोरम आ त्रिपुरा मेओ गत दुई-तीन दिन सँ तेज वर्षा जारी छै। एकर अलावा, बिहार, तटीय आंध्र प्रदेश, पूर्वी मध्य प्रदेश, पश्चिम बंगाल केर गंगा मैदानी इलाका, झारखण्ड, तेलंगाना आ महाराष्ट्र केर विदर्भ मेओ एहि तरहक मौसम छै। आईएमडी पूर्वी राजस्थान, मध्य प्रदेश केर किछु हिस्सा मे आ महाराष्ट्र केर अधिकांश हिस्सा मे गर्ज-चमक के संग तेज हवा केर संग वर्षा होयबाक चेतावनी देलक अछि।

झारखण्ड केर यदि बात करी तऽ एहि ठाम विगत तीन दिनसँ वर्षा भऽ रहल छल, मुदा आइ थोड़ेक राहत महसुस भऽ रहल अछि। मौसमक स्थिति बहुत नीक नहि छै मुदा तेज हवा संग चिटपुट धूप अछि। तथापि, मौसम में थोड़ेक परिवर्तन देखक लेल भेट रहल अछि। दैनिक तापमान में सेहो थोड़ेक कमी दर्ज कैल गेल अछि। एहि कारण रांची आ आसपासक क्षेत्रक मौसम नीक बताओल जा रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts