spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिबांग्लादेशी घसपैठ पर फेर घमासान, बाउरी कहलैन : बांग्लादेशी घुसपैठिया झामुमोक वोटर

बांग्लादेशी घसपैठ पर फेर घमासान, बाउरी कहलैन : बांग्लादेशी घुसपैठिया झामुमोक वोटर

-

रांची/ झारखंड भाजपा नेता एक बेर फेर बांग्लादेशी घुसपैठह नी बयानबाजी शुरू कऽ देलनि। झारखंड विधानसभा मे विपक्ष के नेता अमर कुमार बाउरी बांग्लादेशी घुसपैठ के लऽ कऽ राज्य सरकार पर फेर सँ तीखा हमला केलखिन।

बाउरी कहलखिन कि हेमंत सरकार बांग्लादेशी घुसपैठिया के खिलाफ कार्रवाई करय सँ डरैत अछि। ई घुसपैठिया झामुमोक वोट बैंक बनि गेल अछि। एहि लेल राज्य सरकार हुनकर संरक्षक बनल अछि। ओ कहलनि जे घुसपैठिया आदिवासी दलित समाजक लोकक सम्पत्ति पर कब्जा कऽ रहल अछि। ओ सभ बहिन-बेटीसँ विवाह कऽ जमीन हड़पि रहल छथि। एतबे नहि, ओ हिन्दू जनसंख्याकेँ अपन घर छोड़ि भागय लेल विवश कऽ रहल छथि।

ओ कहलनि जे संथाल परगनाक तारानगर, गोपीनाथपुर, गाई बथान सन गाममे घुसपैठियाक साम्राज्य स्थापित भेल अछि। ओ कहलनि जे घुसपैठिया राज्यकेँ दीमक जकाँ चाटि रहल अछि आ राज्य सरकार चुप अछि।

ओ कहलनि जे एक दिस माननीय उच्च न्यायालय घुसपैठिया के संबंध मे चिंता व्यक्त करैत राज्य सरकार के सख्त निर्देश देलक अछि, तइयो हेमंत सरकार एकरा ढकबा मे लागल अछि।

ओ कहलनि जे राज्य सरकार बाहर बांग्लादेशी घुसपैठसँ इनकार करैत अछि, ओही अदालत सेहो हलफनामा दाखिल कऽ स्वीकार करैत अछि। ओ कहलनि जे जहिना राज्यमे भाजपाक सरकार बनत, घुसपैठियाक पहिचान कऽ कार्रवाई कयल जायत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts