नई दिल्ली : बांग्लादेश मे सरकारी नौकरी मे आरक्षण केँ ल’ क’ हिंसा तेज भेलाक बाद शुक्रदिन देश भर मे कर्फ्यू लगा देल गेल आ सेनाक तैनाती कैल गेल। प्रधानमंत्री शेख हसीना केँ प्रेस सचिव नईमूल इस्लाम खान के कहनाय छनि जे देश मे कोनो तरहक रैली, जुलूस पर रोक लगा देल गेल अछि।
प्रदर्शनकारी छात्र आ पुलिस केँ बीच भेल झड़प मे एखन धरि 105 गोटे केँ मृत्यु भ’ चुकल अछि. एहि मे सँ शुक्रदिन राजधानी ढाका मे मात्र 52 गोटेक मृत्यु भेल अछि । पुलिस प्रदर्शनकारी पर गोली आ आंसू गैसक गोला सेहो खूब चलौलक । देश मे इंटरनेट आ मोबाइल सेवा बंद अछि। 15 साल सँ सत्ता मे बैसल प्रधानमंत्री शेख हसीनाक सरकार लेल इ एकटा पैघ चुनौती अछि जे ओ स्थिति पर काबू पाबि सकय। कतेको दिन सँ चलि रहल हिंसा केँ रोकबा मे पुलिस केँ विफल रहला सँ सेना केँ तैनात करय पड़ल अछि ।