spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिबांग्लादेश संकट केँ बीच सीएम योगी कहलनि जे, ‘हिन्दू निशाना पर अछि,...

बांग्लादेश संकट केँ बीच सीएम योगी कहलनि जे, ‘हिन्दू निशाना पर अछि, सनातन केँ बचेबाक लेल एकजुट होबय पड़त’

-

नई दिल्ली : भारत केँ पड़ोसी देश बांग्लादेश मे अशांति केँ दौड़ जारी अछि । ओतय शेख हसीना केँ सरकार उखाड़ि देल गेल अछि। एकर बादो हिंसा लगातार जारी अछि। एहि हिंसा मे कतेको लोकक मृत्यु सेहो भेल अछि । एकर संगहि हिन्दू मंदिर पर सेहो बहुत जगह पर हमला भ’ चुकल अछि । हिन्दू केँ निशाना बनाओल गेल अछि। एकर वीडियो सोशल मीडिया पर जबरदस्त वायरल भ’ रहल अछि। भारत सरकार सेहो एहि सब मुद्दा पर अपन चिंता व्यक्त केलक अछि। एहि सबहक बीच उत्तर प्रदेशक मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ बंगलादेशक मुद्दा पर एकटा पैघ बयान देलनि अछि। ओना ओ अपन बयान मे कोनो देशक नाम नहि लेलनि। मुदा कतौ ने कतौ हुनकर संदर्भ बांग्लादेशक परिस्थिति दिस छलनि ।

योगी आदित्यनाथ बांग्लादेशक नाम नहि लेने आ कहलनि जे हिन्दू केँ खोजि खोजि क’ हत्या भ’ रहल अछि। इतिहास सँ सीखय पड़त। हमरा सब केँ दृढ़ संकल्प केँ संग मिलिकय काज करय पड़त। आइ अयोध्या केँ लोक केँ पूरा देश मे सम्मान भेट रहल अछि। सम्मान पाबय लेल सम्मान सुरक्षित करय पड़ैत छैक। सनातन धर्म पर आबय वाला संकट केँ दूर करय लेल फेर सँ मिलिकय काज करय केँ जरूरत अछि। मंगलदिन दू दिनक यात्रा पर अयोध्या पहुंचल योगी आदित्यनाथ आयुक्त सभागार मे विकास कार्य आ कानून व्यवस्था केँ संबंध मे समीक्षा बैसार केलथि। एहि ठाम सँ जारी आधिकारिक विज्ञप्ति केँ अनुसार योगी जी कहलनि जे , “सब अधिकारी , जनप्रतिनिधि आओर जिला निवासी सब केँ संग समन्वय बना क’ कार्य करबाक चाही। संवाद आओर समन्वय केँ माध्यम सँ समस्या केँ समाधान करबाक चाही ।”

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts