spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeसभ्यता एवं संस्कृतिबाबा विद्यापति स्मारक समिति 4 अगस्त क' सदस्यक संग जायत अयोध्या :...

बाबा विद्यापति स्मारक समिति 4 अगस्त क’ सदस्यक संग जायत अयोध्या : साओन केँ तेसर सोमवारी क’ करत ‘महारुद्राभिषेक’

-

रांची : बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची के कार्यालय दिनांक 2 जून 2024 क’ समिति केँ कार्यालय मे समिति अध्यक्ष जयंत झा केँ अध्यक्षता मे बैसार भेल | बैसार मे सर्वसम्मति सँ निर्णय लेल गेल जे साओन मासक तेसर सोमवारी दिन समितिक कार्यालय मे रुद्राभिषेक यज्ञक अनुष्ठान होयत रुद्राभिषेक यज्ञ मे आचार्य श्री मुकेश झा शास्त्री आ समितिक अध्यक्ष जयंत झा यजमान रहता। प्रत्येक वर्ष जका एहि वर्ष सेहो बाबा विद्यापति स्मारक समिति साओन मास मे रुद्राभिषेक यज्ञक आनुष्ठान हर्षोलास केँ संग आयोजन करबाक निर्णय लेलक अछि आ संगहि सर्वसम्मति सँ निर्णय लेल गेल अछि जे 4 अगस्त 2024 क’ बाबा विद्यापति स्मारक समिति केँ समूह श्री राम जन्मभूमि अयोध्या केँ लेल प्रस्थान करत जाहि मे समाज केँ बहुत रास प्रबुद्ध नागरिक अपन परिवारक संग श्री राम जन्मभूमि अयोध्या केँ लेल रप्रस्थान करता। एहि बैसार मे मुख्यतः समितिक अध्यक्ष जयंत झा, मृत्युंजय झा, अशोक कुमार मिश्र, संतोष मिश्र, अंजनीकांत झा, रमेश भारती, कैलाश सोनी, श्याम किशोर चौबे, अजय कुमार, सुनील कुमार सिन्हा, विष्णु सिंघनिया, बॉबी शर्मा , राधेश्याम यादव , राजू ओरावन, उपस्थित छला। उपरोक्त जानकारी समिति केँ अध्यक्ष जयंत झा द्वारा प्राप्त भेल अछि |

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts