लहरि रूम (रांची) : बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची के तत्वावधान मे आइ दिनाँक 9 मार्च 2025 रवि दिन कचहरी चौक पर स्थित कार्यालय के प्रांगण मे होली मिलन समारोह कार्यक्रम के आयोजन भेल। एहि कार्यक्रम मे मुख्य रूप सँ रांची नगर निगम के निवर्तमान उप महापौर संजीव विजयवर्गीय, संग अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् के झारखण्ड प्रदेश के अध्यक्ष अमर नाथ झा उपस्थित भेला। आजुक कार्यक्रमक शुभआरम्भ मैथिल कविकोकिल बाबा विद्यापति द्वारा रचित गोसोवनी गीत जय जय भैरवी असुर भैयावनि …….. गीत सँ भेल। आओल विशिष्टि अतिथि लोकनि के मिथिला संस्कृति प्रतिक पाग पहिरा आ दोपटा ओढ़ा क’ सम्मानित कयल गेल। मैथिली कलाकार पण्डित मुकेश शास्त्री एवं अश्वनी आनंद द्वारा एक सँ बढ़ी क’ एक गमैया होली गीतक प्रस्तुति कयल गेल। आओल विशिष्ट अतिथि लोकनिक संग समस्त समाजक लोक द्वारा समिति द्वारा कयल भोजनक ओरियान चुरा फ्राई, माँछ फ्राई, माल पुआ एवं ठंडई के आनंद लेल गेल। आजुक अहि होली मिलन समारोह के आयोजन मे समिति के अध्यक्ष जयंत झा, संगरक्षक आसु झा , महासचिव मृत्युंजय झा , अजय झा, ज्ञानदेव झा, प्रवीण मिश्रा, विश्वंभर झा, उदित नारायण ठाकुर, पूर्णेन्दु ठाकुर, मनोज झा, सुनील कुमार सिन्हा, राजेश कुमार झा, रमेश भारती, भानु कच्छप, बिंदु शेखर झा महत्वपूर्ण योगदान छलनि।
