spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची के द्वारा कयल गेल रुद्राभिषेक

बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची के द्वारा कयल गेल रुद्राभिषेक

-

लहरि रूम (रांची) : दिनाँक 28 जुलाई 2025 सोमदिन बाबा विद्यापति स्मारक समिति के कार्यालय मे रुद्राभिषेक यज्ञ के आयोजन कयल गेल। पवित्र सावन मास के तेसर सोमवारी के अवसर पर बाबा विद्यापति स्मृति समिति के तत्वावधान मे बाबा भोलेनाथ के पूर्ण वैदिक विधी विधान सँ रुद्राभिषेक कयल गेल | एहि अवसर पर मुख्य अतिथि रांची विधानसभा विधायक सी.पी. एहि आयोजन लेल बाबा विद्यापति स्मृति समिति के बधाई देलनि। एहि रुद्राभिषेक यज्ञ मे पुरोहित स्वरुप मुकेश झा शास्त्री, बिन्दु शेखर झा आ प्रवीण मिश्र छला आ समिति कें उपाध्यक्ष आशु झा अपन धर्मपत्नी यजमान छला | समिति सदस्य आ शिवभक्त यज्ञ के धधकैत अग्नि मे सरर धूमन अर्पित करैत विश्व कल्याण के प्रार्थना केलनि । समिति के अध्यक्ष जयंत झा कहलनि जे श्रावण मास भगवान भोलेनाथ के प्रिय मास अछि, आ देवता मे भगवान शिव सँ पैघ कोनो देवता नहि छथि | भगवान शिव सहज प्रसन्न होइत छथि आ कठिनतम वरदान प्रदान करैत छथि | भस्मासुर सन राक्षस पर प्रसन्न भ’ हुनका एकटा वरदान देलखिन जे जेकरा पर हाथ राखत से भस्म भ’ जायत। रावणक पिता दान मे सोनाक लंका मंगलनि, आ ओ तुरन्त हुनका द’ देलनि | एहने छथि हमर भोले बाबा। ओ कहलनि जे यद्यपि पूरा सावन मास भगवान शिव के समर्पित अछि | मुदा सावन मे रुद्राभिषेकक अलगे महत्व छैक। रुद्राभिषेक के पूजा के साथ जीवन के नकारात्मक परिस्थिति सेहो बदलैत छै । पौराणिक कथाक अनुसार रुद्राभिषेक केला सँ पूर्व जन्मक पाप सँ मुक्ति भेटैत छैक | ओ कहलनि जे एहि मास मे भगवान शिव प्रसन्न भ’ जाइत छथि आ भक्तक सब इच्छा पूरा करैत छथि | पूजा के बाद महाभंडारा के आयोजन भेल, जाहि के तहत पुरी, सबजी, खीर आ बुंदिया के महाप्रसाद के रूप मे भक्त के बीच वितरण कायल गेल | अहि आयोजन मे उदित नारायण ठाकुर, आशु झा, पूर्णेन्दु ठाकुर, ज्ञानदेव झा, मृत्युंजय झा, संतोष मिश्र, मनोज झा, गोपाल ठाकुर, रंजीतलाल दास, छबी झा, बिन्दु झा, अंजनी कांत झा, अमरनाथ झा, आशुतोष झा, राजेश झा, कृतेश झा, संतोष मिश्रा, समिति के सुनील सिन्हा, राजेश प्रसाद, राजीव रंजन, राजू महतो, रमेश भारती, भानु कच्छप, बिमल कच्छप, सौरभ कुणाल, अशोक पाण्डेय अपन सहभागिता द’ आयोजन के सफल बनौलनि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts